विराटनगर २२ माघ । मोरङके धनपालथान गामपालिकास्थित कुसियार खेतमें भेल हत्या काण्डमें संलग्न थप २ गोटे फरार अभियुक्त पकरलगेल अछि ।

ओहि हत्या काण्डमें मोरङ रंगेली नगरपालिका वडानम्बर ३ आमतोलाके २२ बर्षिय मोहमद सुभाम आ सुनसरी देवानगञ्ज गाउँपालिका वडानम्बर ६ जिरोगवाके १८ बर्षिय मोहमद हकिम रहल अछि । सुभामके रंगेलीसँ आ हकिमके देवानगञ्ज सिमा लगसँ पक्राउ कएलगेल प्रहरी जानकारी देने अछि । धनपालथान ७ के कुसियार खेतमें माघ १२ आ १३ गते भेल हत्याकाण्डमें ओकरसबहक सेहो संलग्ता देखएलापर पक्राउ कएलगेल जिल्ला प्रहरी कार्यालय मोरङके प्रवक्ता दिपक श्रेष्ठ बतौनेछथि । अओर ब्यक्तीसबहक खोज कार्य जारी रहल प्रवक्ता श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि ।

सुभाम आ हकिमसंगे ओहि घटनामा पकरलगेल ब्यक्तीसबहक संख्या ५ पहुँचल अछि । अहिसँ पहिने जिल्ला प्रहरी कार्यालय माघ २१ गते पत्रकार सम्मेलनके आयोजना करैत ओहि घटनामें संलग्न ३ गोटे अभियुक्तसबके सार्वजनिक कचुकल अछि । ओहि घटनाके मुख्य योजनाकार तथा अभियुक्तके रुपमें प्रहरी सिरहा नगरपालिका वडानम्बर १२ स्थायि घरभक काठमाण्डौ बल्खु रहैत आएल ३१ बर्षिय अनिल कुमार मण्डलके सार्वजनिक कचुकल अछि । मण्डलसंगे प्रहरी, मोरङके जहदा गाउँपालिका वडानम्बर ४ सिस्बनीके २९ बर्षिय अमित साह कहेनिहार दिनानाथ सोनार आ मोरङेके धनपालथान गामपालिका वडानम्बर ७ कमलपुर पश्चिमटोल रहनिहार ६२ बर्षिय नासिर आलमके सेहो सार्वजनिक कचुकल अछि ।

माघ १२ गते धपालथान ७ के कुसियार खेतमें खधिया खुनिक गाडल अवस्थामें अवस्थामें सप्तरी शम्भुनाथ नगरपालिकाके ३२ बर्षिय शम्भुकुमार चौधरी आ माघ १३ गते सुनसरी धरान उपमहानगरपालिका वडानम्बर स्थायी घर भक भक्तपुर लोकन्थली रहैत आएल ४८ बर्षिय राजेन्द्र कुमार श्रेष्ठके शव प्रहरी बरामद कएने छल । ओहि घटनामें कमिसनके रकम असगरे हथियाबलेल अनिलकुमार मण्डलके योजनामें धनपालथानमें २ गोटे आ ओहिसँ पहिनहि अगहन २८ गते तेह्रथुम सक्रान्ति वडानम्बर २ घर रहल ६३ बर्षिय मोहन लिम्बुके सेहो हत्या कक काठमाण्डौ महानगरापलिकाके वडानम्बर १२ ठेंचोमे खधिया खनिक शव गाडल अवस्थामें भेटल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु