विराटनगर १६ फागुन । प्राचिन ईतिहास रहल विराटनगरस्थित मण्ठा पोखरि आ बाबा बाणेश्वरनाथ मन्दिरके संरक्षण आ संर्बधनमें सरोकारवालाके पर्याप्त ध्यान नैपहुँचल अछि । उपेक्षाके शिकार भेलाके कारणे मन्दिरके जमिन निजी ब्यक्तीसब जोतभोग करहल अछि जाहिसँ मन्दिरके आयआर्जन सेहो गुमल अछि ।

विराटनगर महानगरपालिकाके वडानम्बर १४ रानीमें स्थित अछि धार्मिक महत्वके ऐतिहासिक मण्ठा पोखरि । साढे ९ कट्ठा जलक्षेत्र रहल पोखरि उत्तर किनारपर अछि बाबा बाणेश्वरनाथ महादेव मन्दिर । इ मन्दिर १ सौ १० बर्ष पहिने निर्माण भेलबात मन्दिरमें राखल शिलालेख मार्फत पुष्टि होइत अछि । जे आधुनिक विराटनगरके ईतिहाससँ बेसी पुरान अछि । अहि मन्दिरके विक्रमसम्बत १९६८ साल अगहन ९ गते निर्माण भेल अछि । तत्कालिन महन्थ डीगबर भयरोगिर तथा हुनक चेला घेला गंगागिर मन्दिर निर्माण करएलनि शिलालेखमें अंकित अछि । मण्ठा पोखरि आ मन्दिर रहल अहि स्थानमें हाल १ बिग्घा १५ कट्ठा जमिन अछि । मण्ठा पोखरीलेल एकर संस्थापकसब लगभग ७ बिगहा जमिनके ब्यवस्था कएनेछल मुदा एखनि ओहिमेंस अधिकांश जमिन मन्दिरके नियन्त्रण बाहर अछि तथा आसपडोसके जमिन सेहो अतिक्रमण भेल सम्बन्धित समितिके सदस्य अनन्तलाल यादव जानकारी देनेछथि ।

मन्दिर संचालन तथा संरक्षणकेलेल आयआर्जनके ब्यवस्थाहेतु मन्दिरके दक्षिणदिस रहल साढे ५ बिगहा जमिन अखनि विराटनगर १७ के स्वर्गिय पेचु मियाँके सन्तानसब भोगचलन करहल स्थानिय लोक जानकारी देने अछि । उक्त जमिन उपभोगवापत आबबला आम्दनी मन्दिरके हासिल नैभरहल समिति बतएने अछि । चतरा गुठीके नामपर उक्त जमिन मियाँ परिवार ५ दशक पहिनेसँ ठिक्कापर लेलोपर ताहिवापत दस्तुर नैदरहल स्थानिय रामजी मण्डल बतौनेछथि । मन्दिरके आयआर्जनके हेतु राखलगेल जमिन हाल ब्यक्तीसब निजी उपभोग करहल आ ताहिवापतके दस्तुर सेहो नैदरहालसँ उक्त जमिन मन्दिरके नियन्त्रणमें आनलेल अपनेसब प्रयासरत रहल बाबा बाणेश्वरनाथ शिव मन्दिरके अध्यक्ष गंगाप्रसाद यादव बतौनेछथि ।

इ पोखरी प्राचिन बिराट राजा दरबारके लगेमे सैह सयममें निर्माण कएगेल बताओलगेल पोखरि रहल स्थानसँ १ किलोमिटर दक्षिण भेडियारीमें राजा विराटके प्राचिन दरबार सेहो अछि । दरबारक्षेत्रमें किछसमय पहिने कएलगेल आंशिक उत्खननमें ओहिठाम साढे २ हजार बर्ष पुरान भवनके संरचनासब भेटल अछि । भेडियारीके ओहिक्षेत्रमें महाभारतकालमें पाण्डवसब गुप्तवास रहल आ राजा विराटके रानीसब नहाएकेलेल अहि मण्ठा पोखरीके प्रयोग करैत आएल बातक किम्बन्दती रहल स्थानियसब बतबैत अछि ।

प्राचिन आ धार्मिक महत्वके मण्ठा पोखरिके अहिक्षेत्रके ब्यवस्थित आ प्रर्बधन कएलापर धार्मिक पर्यटकसबके आर्कषित कएलजासकैत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु