फागुन ५ । विराटनगरस्थित लाइफ गार्ड अस्पताल पाचन प्रणालीसँ संबंधित रोगक विशेषज्ञ आ अनुभवी चिकित्सक डा. मोहन खड़्काके अपन टीममें शामिल कएने अछि ।

उक्त अस्पताल एकटा औपचारिक कार्यक्रम के आयोजन क’ डा. खड़्काके स्वागत कएने अछि । कार्यक्रमक बीच अस्पतालक अध्यक्ष डा. शिवराजा आ कार्यकारी निर्देशक ईन्द्र भुजेल डा. खड़्काके माला,खादा सहित स्वागत कएने छथि । ओहि अवसर पर बजैत निर्देशक भुजेल पाचन प्रणाली सँ संबंधित रोगक विशिष्ट उपचार सेवा प्रदान करबाक उद्देश्य सँ लाइफ गार्ड अस्पताल डा. मोहन खड़्काके अपन टीम में शामिल कएलक बतौलनि ।

ओ कहलनि जे डा. खड़्का जे पाचन प्रणाली के उपचार में बहुत पहिने सँ विशेषज्ञता हासिल क’ चुकल छथि, हुनकर आगमन अस्पताल लेल एकटा बड़का उपलब्धि अछि । डा. खड़्का २२ वर्ष सँ पाचन प्रणाली सँ संबंधित रोगक उपचार सेवामे क्रियाशील छथि । ओ पहिने विराटनगरक नोवेल अस्पताल आ श्री अस्पताल सहित माल्दिभ्स में तीन वर्ष तक सेवा प्रदान क’ चुकल छथि, जे कार्यक्रम में बतायल गेल ।

ओहि अवसर पर डा. खड्का कहलनि जे पाचन प्रणाली सँ संबंधित किछु बिशेष रोगक उपचारक हेतु रोगी सबके भारत सहित विभिन्न देश जायके बाध्यता छल, मुदा ओ विराटनगर में रहिक विशिष्ट सेवा उपलब्ध कराबय के उद्देश्य सँ लाइफ गार्ड सँ जुड़ल छथि । अस्पताल डा. खड़्काके अपन टीम में शामिल करएके साथे पाचन प्रणाली केर उपचारमें आवश्यक उपकरण किनबाक हेतु १ करोड़ सँ बेसी टका सेहो खर्च कएने अछि ।  रोगक उपचार सेवा संचालन हेतु डा. खड़्काके नेतृत्वमें अस्पताल एकटा अलग डेस्क सेहो स्थापित क’ चुकल अछि ।

ओहि अवसरपर बजैत डा. खड़्का कहला जे वास्तविक गरीब आ असहाय मरीज सभके निशुल्क उपचार सेवामें सेहो अपन योगदान रहत ।

सम्बन्धित खबरहरु