विराटनगरके लोहार समुदाय जातिय पहिचान झल्कएबला साँस्कृतिक झाँखी निकालके निर्णय कएने अछि ।
विश्वकर्मा लोहार सेवा समितिके शनिदिन भेल बैठकसँ आबबला भादो २१ गते विराटनगरमें आयोजन होबएबला श्री राधाकृष्ण रथयात्रा समारोहमें झाँखी निकालएके निर्णय कएने अछि । समिति स्थानिय भरत ठाकुरके अध्यक्षतामें २३ सदस्यिय रथयात्रा झाँखी ब्यवस्थापन समिति सेहो गठन कएने अछि ।
समितिके उपाध्यक्षमें चन्द्रेश्वर ठाकुर,सचिव टेकनारायण ठाकुर,सहसचिव रबिन ठाकुर आ कोषाध्यक्षमें दिनेश ठाकुर रहल छथि । तहिना सदस्यसबमें सुभाष ठाकुर,प्रमोद ठाकुर आ दिपक ठाकुर लगायत छथि । रथयात्राके सफल बनाबएलेल तथा लोहार समुदायके जातिय पहिचान झल्काबएहेतु पहिलबेर सांस्कृतिक झाँखी निकाल लागल अध्यक्ष भरत ठाकुर जानकारी देनेछथि ।
ओ झाँखीमें लोहार समुदायके ईष्टदेव विश्वकर्मा भगवानके प्रतिमुर्ति सहित ५ सौ किलो वजनके भाथी आ सौ किलोके हथौडी प्रर्दशन कएलजाएत जानकारी देलनि । लोहार समुदाय लोहा गलाबहेतु भाथीसँ कोईलामें आगि पजारके काज करैत अछि । ई लोहार समुदायद्वारा प्रयोग कएलाएबला मुख्य पारम्परिक उपकरण रहल अछि । झाँखीमें समुदायके ब्यावसायिक औजारक साथे पारम्परिक भेषभुषा सेहो प्रर्दशन कएलजाएत समिति जानकारी देने अछि ।
विराटनगर महानगरपालिकामें लोहार समुदायके ५० घरपरिवार रहल विश्वकर्मा लोहार सेवा समितिके मोरङ अध्यक्ष सुभाष ठाकुर बतौनेछथि ।