कटहरी २३ साओन । नेपालक पहिल क्लब लायन्स क्लब अफ विराटनगर अपन स्थापना दिवसके अवसरमें सप्ताहब्यापी कार्यक्रम आयोजन कएने अछि ।
उक्त क्लब स्थापनाके ५३ म बर्षके अवसरमें विविध कार्यक्रम सहितके सप्ताहब्यापी कार्यक्रम आयोजन कएने अछि । २०२८ श्रावण २४ गते लायन्स क्लब अफ विराटनगरके स्थापना भेल छल । अहि क्लबके पहिल अध्यक्ष पुर्व प्रधानमन्त्री स्वर्गिय मातृका प्रसाद कोईराला छलथि ।
सप्ताहब्यापी कार्यक्रम अन्र्तगत पाँचम कार्यक्रमके रुपमें मंगलदिन रक्तदान शिवीर तथा स्वास्थ्य जाँच कार्यक्रम आयोजन कएलगेल अछि । कटहरीस्थित क्वालिटि थाई फ्ड्समें आयोजना कएलगेल रक्तदान शिवीरमें १ सौ २३ गोटे रक्तदान कएलक तथा एक सौ सँ बेसी लोक सुगरप्रेशरके परीक्षण करएलक क्लबके अध्यक्ष हेमन्त मारु जानकारी देने छथि ।
नेपालमें हाल १८ सौ सँ बेसी क्लबसब रहल तथा ४० हजारसँ बेसी सदस्यगण सेवाके क्षेत्रमें सक्रिय रहल लायन्स क्लबके पुर्व गर्भनर फुलकुमार लालवानी जानकारी देनेछथि । ओहि क्लब सब मध्य विराटनगर लायन्स क्लबके गरिमा महत्वपुर्ण रहल ओ बतौलनि ।
लायन्स विराटनगर साताब्यापी कार्यक्रम अन्र्तगत भेडेटारमें बृक्षारोपणके साथे वडानम्बर १८ में आँखा शिवीर आयोजना कक ३५ गोटेके निशुल्क मोतियाबिन्दु अप्रेसनके ब्यवस्था कएने अछि । तहिना विराटनगरके आमाके माया छात्रावास तथा महिला जागृति केन्द्रमें १ लाख नगद सहित खाद्यान्न उपलब्ध करौलक बताओलगेल अछि ।
बुधदिन मानव सेवा आश्रमके आश्रितके लेल भोजनके ब्यवस्था करएके साथे क्लबके अपन भवन परिसरमें स्थापना दिवस बिशेष कार्यक्रम कएलजाएत क्लबके पुर्व अध्यक्ष राजेश लखौटिया जानकारी देने छथि ।
कार्यक्रममें पुर्व अध्यक्षगण नन्द किशोर राठी,प्रकाशभक्त जोशी आ घनश्याम काबरा लगायतक उपस्थिति छल ।