विराटनगर । मैथिली अनलाइन दर्शक श्रोता समक्ष नव गीत लाबके तैयारी करहल अछि ।

नवीन कर्णके शब्द तथा शैलेन्द्र विश्वकर्माके संगितमें एकटा नवका गीत हाले रेकर्ड कएलगेल अछि । ‘चमचम चमकौ गोरी रुपके ईजोरिया’ बोलके उक्त गीत राजविराजमें रेकर्ड कएलगेल अछि । साओन ३ गते रेकर्ड कएलगेल गीतमें सुप्रशिद्ध गायक मिथिलापुत्र भागवत मण्डल आ ज्योती विश्वकर्मा स्वर देनेछथि ।

राजविराजके माहाकाल डिजिटल स्टुडियोमें गीतके रेकर्डिङ कएलगेल अछि । रेकर्डिस्ट प्रकाश शर्मा अहि गीतके रेकर्ड कएने छथि । संगितकार शैलेन्द्र विश्वकर्मा रेकर्ड कएलगेल मेलोडियस इ प्रेम गीत बिशेष कक युगल जोडी सहित सब बर्गक लोकके नीक लागत विश्वास ब्यक्त कएने छथि ।

गायिका ज्योती एखनिधरि मैथिली सहित विभिन्न भाषाभाषिके १ सय ५० सँ बेसी गीत आ गायक मण्डल ३ सौ सँ बेसी गीतमें स्वर दचुकल छथि । मैथिली अनलाइनद्वारा अहिसँ पहिने निर्माण कएलगेल ‘दिल तोडनी’,‘नगिनिया’ आ ‘कोन जनमके गीतमें सेहो गायक मण्डल स्वर देने छथि । उक्त सबगीत लोकप्रिय भेल अछि । गायिका ज्योती पहिलबेर मैथिली अनलाइन लेल स्वर देनेछथि ।

आबबला किछु दिन भितरे गीतके छायांकन कक मैथिली अनलाइनके युट्यूबमें गीत सार्वजनिक कएलजाएत अनलाइन संचालक नवीन कर्ण जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु