विराटनगर १ साउन । मिथिला आर्टके प्रर्बधन करवाक उद्धेश्य सहित ‘मैथिल चित्रकला टू प्वाईन्ट जीरो’ प्रतियोगिता आयोजन होमए जारहल अछि ।
मैथिली विकास अभियानके आयोजनमें प्रतियोगिता होमए लागल अछि । प्रतियोगितामें नेपालभरिक चित्रकार सहभागि भसकैत अछि । सहभागिताहेतु आयोजक समिति अनलाईनसँ रजिष्ट्रेशन शुल्क जम्मा करवाक प्रबन्ध कएने अछि । रजिष्ट्रेशन लेल १९९ रुपैया शुल्क राखलगेल अछि ।
अखार २७ गतेसँ साओन ६ गतेधरि अनलाइन रजिष्ट्रेशन कएलजासकैत अछि । रजिष्ट्रेशन पश्चात सहभागिद्वारा बनाएलगेल चित्रकला सामाजिक सञ्जाल तथा अनलाइन माध्यमसँ आयोजक संस्थामें जमा कराबए परत । प्रतिस्पर्धा लेल आएल चित्र मध्य माईपे मार्फत अनलाईन भोटिङसँ उत्कृष्ट २० टा चयन कएलजाएत ।
उत्कृष्ट छनौट भेलसबमें सँ निर्णायक गण बिजेता आ उपबिजेता चयन करताह प्रतियोगिताकें संयोजक राहुल कर्ण जानकारी देनेछथि । प्रतियोगितामें प्रथम भेल बिजेता ६,५०१ आ उपबिजेता २,५०१ रुपैया नगद सहितके पुरस्कार प्राप्त करत तथा अत्यधिक पसन्द कएलगेल प्रतिस्पर्धिके जोनसन अक्वाके तरफसँ बिशेष उपहार प्रदान कएलजाएत ।
तहिना प्रतियोगितामें सहभागि सब प्रतिस्पर्धिके प्रमाणपत्र उपलब्ध कराएलजाएत आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।
अहिबर्षके प्रतियोगिता आयोजनमें जोनसन अक्वा वाटर प्युरिफिकेशन सिस्टम आ माईपे एप सहयोगिके भुमिका निर्वाह करहल अछि । मैथिली अनलाइन प्रतियोगिताके मिडिया पार्टनर रहल अछि ।
अहि लिंकपर क्लिक कक प्रतियोगिताके फर्म प्राप्त क सकैत छी । https://maithilchitrakalapratiyogita.mypay.com.np/