विराटनगर २४ अखार । तेली कल्याण समाज नेपालके विराटनगर वडानम्बर ११ तथा वडानम्बर १,२,३ के संयुक्त बैसार नयाँ कार्य समितिसब चयन कएने अछि ।

विराटनगर महानगर तदर्थ समितिके संयोजक सञ्जय साह तथा समाजक जिल्ला अध्यक्ष डाक्टर बालकृष्ण साहके प्रमुख अथित्यमें वडाके बैसारसब सम्पन्न भेल अछि । वडानम्बर ११ के बैसारसँ बुद्धिलाल साहके अध्यक्षतामें १३ गोटे पदाधिकारी आ ५ गोटे सल्लाहकार कक १८ गोटेके समिति गठन कएने अछि ।

समितिके उपाध्यक्षमें भोला साह, सचिवमें नारायण साह, कोषाध्यक्षमें अभिषेक साह आ सदस्यसबमें रामजी साह, शिबु कुमार साह, बैजु कुमार साह, आकाश साह, भरत साह कुमार साह, मनोज कुमार साह, अमोद कुमार साह आ मनोज कुमार साह रहल छथि । तहिना सल्लाहकार सबमें शिव नारायण साह, चन्द्र नारायण साह, अवध बिहारी साह, देवदयाल साह आ मन्टु साह रहल छथि ।

तहिना बडा १,२ आ ३ के संयुक्त बैसार वडानम्बर १ में पुष्पकुमार साहके अध्यक्षतामें ११ गोटे पदाधिकारी आ वडानम्बर २ आ ३ के संयुक्त समितिमें निसान्त कुमार साहके अध्यक्षतामें ११ गोटेके कार्यसमिति गठन कएने अछि । वडानम्बर १ के उपाध्यक्षमें संजित कुमार साह, सचिवमें संजय साह, सह–सचिवमें द्वारिका प्रसाद साह, कोषाध्यक्षमें सरित साह, आ सदस्यसबमें विजय साह, मिलन साह, प्रमोद कुमार साह, चन्द्र किसोर साह आ आन २ गोटे मनोनित करएके हिसाबस गठन कएलगेल अछि ।

वडानम्बर २ आ ३ के संयुक्त समितिके उपाध्यक्षमें खषेश्वर प्रसाद साह आ सचिवमें ललन साह चयन भेल छथि । आन पदाधिकारीसब आगामी दिनमें मनोनित कएलजाएत अध्यक्ष निसान्त बतौने छथि । वडानम्बर १ के सल्लाहकारसबमें चन्द्र किसोर साह तथा २ आ ३ के सल्लाहकारसबमें नन्दगोपाल साह, प्रभाकर साह आ वैद्यनाथ साह रहल छथि ।

जेठ १५ गते सञ्जय साहके संयोजकत्वमें महानगर अधिवेशन तयारी समिति (तदर्थ समिति) गठन भेलासंगे समाज विराटनगरके वडा अधिवेशनसबमें सक्रियता बढौने अछि । साओन महिनामें सब वडा समिति गठन कक नगर अधिवेशन कएलजाएत तर्दथ समितिके सदस्य सचिव जगतलाल साह बतौने छथि ।

अहिसँ पहिने वडा ५ में सुरेश साह, वडा ६ में रामप्रसाद साह, वडा ८ में अलिपचन साह (सुरज), वडानम्बर १० में सज्जन साह, वडा १२ में सत्य नारायण साह आ वडा १४ में देव नारायण साहके अध्यक्षतामें वडा समिति गठन कएलजाचुकल तदर्थ समितिके संयोजक सञ्जय साह बतौनेछथि ।

राष्ट्रिय जनगणना २०७८ अनुसार विराटनगर महानगरपालिकामें तेली समुदायके कुल जनसंख्या ७ हजार ७ सौ ५७ रहल बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु