ग्रामथान । मोरङके ग्रामथान गाउँपालिका आगामी आर्थिक बर्षहेतु ५६ करोडसँ बेसीके बजेट लाएल अछि ।

उक्त गाउँपालिका जेठ १० गते १३ म गाउँसभा आयोजना करैत आर्थिकवर्ष २०८०⁄८१ के लेल ५६ करोड ७६ लाख १० हजार ९ सौ ६१ रुपैयाँके बजेट लाएल अछि । संघीय मामिला तथा सामान्य प्रशासन मन्त्री अमनलाल मोदी ग्रामथान गाउँसभाके उद्घाटन कएने छलथि । गाउँसभामें ग्रामथानके उपाध्यक्ष गुणावतीदेवी थारु बजेट प्रस्तुत कएलनि ।

प्रस्तुत बजेटमें चालुदिस ३५ प्रतिशत अर्थात १९ करोड ८६ लाख ६३ हजार ८३६ रुपैया आ पुजिगततर्फ ६५ प्रतिशत अर्थात ३६ करोड ८९ लाख ४७ हजार १२५ रुपैया बजेट विनियोजन कएलगेल अछि । गाउँपालिकाके आम्दानीतर्फ संघीय समानिकरण अनुदान ११ करोड ७० लाख, संघीय सशर्त अनुदान ३० करोड नौ लाख रुपैया, संघीय विशेष अनुदान ६० लाख आ संघीय समपूरक अनुदान ८५ लाख रहल अछि ।

तहिना संघीय राजस्व बाँडफाँड आयकर अन्तशुल्क ८ करोड ३९ लाख ९३ हजार ८ सय, प्रदेश समानिकरण अनुदान ७३ लाख १४ हजार, प्रदेश सशर्त अनुदान ४१ लाख २५ हजार, प्रदेश सरकार समपूरक अनुदान ९७ लाख ४८ हजार, सवारी साधन कर ४१ लाख ९१ हजार आ घरजमिन रजिस्ट्रेसन शुल्क ६० लाख रहल अछि । तहिना आन्तरिक श्रोतसँ ६२ लाख ९१ हजार २४८ रुपैया प्राप्त होबएके अनुमान कएलगेल अछि ।

ब्ययदिस पूर्वाधार विकासमें ११ करोड ३५ लाख, स्वास्थ्यमें ५० लाख, शिक्षामें १ करोड १४ लाख, पशुपंंक्षिमें ५० लाख, कृषिमें ४० लाख, सहकारिमें २ लाख ५० हजार, सामाजिक विकासमें १० लाख रुपैया बजेट बिनयोजन कएलगेल अछि । कार्यक्रमकेबीच गाउँपालिका आगामी आर्थिक वर्षके नीति तथा कार्यक्रम सेहो सार्वजनिक कएने छल ।

गाउँपालिका अध्यक्ष जय प्रकाश गच्छदार पूर्वाधार, शिक्षा, कृषि आ स्वास्थ्यके प्राथमिकतामें राखिक नीति तथा कार्यक्रम आनलगेल बतौने छथि । गाउँसभाकेबीच पालिकामें कार्यरत ५ गोटे कर्मचारीके १० हजार नगद सहित पुरस्कृत कएलगेल प्रमुख प्रशासकिय अधिकृत मनोजकुमार साह जानकारी देने छथि ।

पुरस्कृत भेल कर्मचारीसबमें प्रशासन अधिकृत टेकनाथ घिमिरे,सूचना अधिकृत नारायण चौधरी, ५ नम्बर वडाके सचिव युवराज बास्तोला आ कार्यालय सहयोगिद्वय जितनारायण माझी आ सविता विश्वास रहल छथि ।

कार्यक्रमके प्रमुख अतिथि मन्त्री मोदी आ गाउँपालिका अध्यक्ष गच्छदार हुनकासबके कदरपत्र तथा नगद सहित पुरस्कृत कएलनि ।

सम्बन्धित खबरहरु