तुलसी खेती केनिहार कृषकके कटहरी गाउँपालिका अनुदान देबए जारहल अछि ।

तुलसी खेतीप्रति आर्षकण बढाबएके उद्देश्यसँ अनुदान कार्यक्रम आनलगेल गाउँपालिका बतौने अछि । गाउँपालिकाद्वारा असार ७ गते पारित भेल आर्थिक वर्ष २०८०-०८१ बजेटमें तुलसी खेती केनिहार किसानके अनुदान देबहेतु बजेट बिनियोजन भेल अछि । गाउँपालिकाद्वारा तुलसी खेती केनिहार किसानके प्रति कट्ठा ३ हजारके दरसँ अनुदान देलजाएत ।

ताहिलेल गाउँपालिका २ लाख १५ हजार रुपैया बजेट विनियोजन कएने अछि । पहिल चरणमें कटहरी गाउँपालिकाके वार्डनम्बर ५ में पाईलट प्राजेक्टके रुपमें तुलसी खेती प्रर्बधनात्मक कार्यक्रम संचालन होएत बताओलगेल अछि । ओहि वडामें रहल आर्युवैदिक औषधि उद्योग कच्चा पदार्थकेरुपमें प्रयोग होबबला तुलसी भारतसँ आयात करैत आएल अछि ।

दूबर्ष पहिने कटहरीमें उक्त आयुर्वेदिक उद्योग स्थापना भेल छल । उक्त उद्योग प्रत्येक बर्ष उल्लेख्य मात्रामा भारतसँ तुलसी आयात करैत आएल अछि । उत्पादित तुलसी अपने गामठामके उद्योगमें खपत होबके अवस्था रहलासँ कृषिक्षेत्रमें नव कार्यक्रमके रुपमें तुलसी खेती प्रर्बधनात्मक कार्यक्रम आनलगेल गाउँपालिका अध्यक्ष देवराज चौधरी बतौनेछथि ।

अहि कार्यक्रमसँ उद्योग आ किसान दुनूके फायदा होएत तथा आगामी दिनसबमें पालिकाके आन वार्डसबमें सेहो तुलसी खेतीके विस्तार कएलजाएत ओ बतौनेछथि । बर्षदिनमें तुलसीके ४ बेर उत्पादन कएलजासकैत अछि । तुलसीके खेतीसँ बीज आ पत्ताकेरुपर्मे दू प्रकारक उत्पादन हासिल कएलजासकैत अछि ।

एक हेक्टरमें तुलसी खेतीकेलेल लगभग १० किलोग्राम बीजके आवश्यकता परैत अति तथा एक हेक्टर क्षेत्रफलस लगभग १२० देखि १५० किलोग्राम तुलसीके बीज उत्पादन कएलजासकैत अछि । बजारमें तुलसीके उच्च माग रहल अछि । भारत तथा चीनमें सेहो निर्यात कक एकर ब्यापार कएलजासैत अछि ।

तुलसीके औषधी बनाबलेल कच्चा पदार्थके रुपमें प्रयोग कएलजाइत अछि । तुलसीसँ बनाएलगेल तुलसी चिया नेपाली बजारमें सेहो खूब बिकाईत अछि आ विदेशीसब सेहो एकरा खुब पसन्द करैत अछि । धार्मिक कार्यक्रमसबमें सेहो तुलसीके अत्यधिक महत्व देलजाइत अछि ।

हिन्दु समुदायके घरघरमें तुलसी गाछ दैनिक पुजाईत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु