तेली कल्याण समाज नेपालके विराटनगर वडानम्बर १४ कार्य समिति गठन भेल अछि ।
अखार २ गते जतुवामें भेल समाजके बैसार ११ गोटे पदाधिकारी आ ४ गोटे सल्लाहकार समेत कक १५ गोटे नयाँ वडा कार्यसमिति गठन कएने अछि । स्थानीय देवनारायण साहके अध्यक्षतामें ओहि वडाके नव कार्यसमिति गठन भेल अछि ।
समितिके उपाध्यक्षमें बदमिया साह, सचिवमें दुखीलाल साह, सह–सचिवमें विजय कुमार साह, कोषाध्यक्षमें सत्यनारायण साह, सह–कोषाध्यक्षमें अनितादेवी साह आ सदस्यसबमें उमेश साह, रेखा साह, विन्दा देवी साह, डोमा साह आ शंकर साह रहल छथि ।
तहिना सल्लाहकारसबमें धनिलाल साह, पञ्चलाल साह, गंगा साह आ फुचरु साह रहल छथि । अहिसँ पहिने १५ गते सञ्जय साहके संयोजकत्वमें महानगर अधिवेशन तयारी समिति गठन कएलगेल छल । तहिना वडानम्बर ६ में रामप्रसाद साह, वडा ८ में अलिपचन साह (सुरज) आ वडानम्बर १० में सज्जन साहके अध्यक्षतामें वडा समिति गठन कएलगेल तदर्थ समितिके संयोजक सञ्जय साह बतौनेछथि ।
१४ नम्बर वडा कार्यसमिति गठन कार्यक्रममें समाजके जिल्ला अध्यक्ष डा.बालकृष्ण साह, जिल्ला सदस्यसब ऋषिराज शेठ, डा.शिवशंकर साह आ गणेश साह, तदर्थ समिति सदस्यसब संजिव साह, सन्तोष साह, नन्दगोपाल साह आ सुरेश साह लगायतके उपस्थिति छल ।