विराटनगर । मैथिली अनलाइनके ब्यानरमें निर्माण कएलगेल दूटा गितके एकेसाथ छायांकन सम्पन भेल अछि ।

विरेन्द्र झा आ जागेश ठाकुरके स्वर रहल दूटा गितके बैशाख १४ गते सुटिङ सम्पन भेल अछि । सुनसरीके रामधुनी आ बराहक्षेत्र नगरपालिकामें गितसबहक छायांकन कएलगेल अछि । ‘ताेंही अप्सरा तोंही गुलाब छे’ बोलके गितमें जनकपुरके अभिनेता अरुणकान्त यादव आ विनिता ऋषि नायिकाके भुमिका निर्वाह कएने छथि ।

मैथिली अनलाइनके अहि गितसँ विनिता पहिलबेर मैथिली सिने जगतमें पदार्पण कएने छथि । अहि गितमें विरेन्द्र झा आ जोबा सोरेन स्वर देने छथि । अहि गितमें नवीन कर्णके शब्द आ हारुन रशिदके संगित रहल अछि । गितके रामधुनी नगरपालिकास्थित शंकर बेली सिमसार क्षेत्रमें छायांकन कएलगेल अछि । गितके निर्देशन राजु राजदेव चौधरी कएने छथि तथा छायांकार धिरेन्द्र शाह छथि । गितमें नृत्य निर्देशक ज्याक कोरियोग्राफी कएने छथि ।

‘कोन मन्तर छे तु सिखने,जनैछे कोन जादू’ बोलके दोसर गितमें चर्चित युवा गायक जागेश ठाकुर आ विनिता ऋषि अभिनय कएने छथि । अहि गितमें जागेश ठाकुर आ शान्ति सदा स्वर देनेछथि । नवीन कर्णके शब्द रहल अहि गितमें धर्मेन्द्र शर्माके संगित अछि । अहि गितसँ गायक ठाकुर पहिलबेर नायकके भुमिकामें सेहो देखाएल छथि । बराहक्षेत्र नगरपालिकास्थित सप्तकोशीके कातमें अहि गितके छायांकन कएलगेल अछि । अहु गितके निर्देशन राजु राजदेव चौधरी कएने छथि ।

आबबला किछु दिन भितरे दूनु गित मैथिली अनलाइनके युट्युब पर सार्वजनिक कएलजाएत निर्माता विनिता कर्ण जानकारी देने छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु