विराटनगरके सिमावर्ती जोगबनीमें हनुमत् सह् शनि प्रतिष्ठा धार्मिक महोत्सव होमए जारहल अछि ।
जोगबनीके वार्डनम्बर ४ ईन्द्रानगरमें बैशाख ३ गते सँ ७ गते अर्थात १६ अप्रिल सँ २० अप्रिलधरि ५ दिनक धार्मिक महोत्सव होमएलागल अछि । जोगबनी रेल्वे स्टेशन लग साबिकमें टिकुलिया बस्ती कहाएबला ठाम महोत्सव होमए लागल अछि । आयोजक समिति ओहि बिषयमें पत्रकार सम्मेलनके आयोजन कक जानकारी करएने अछि ।
पत्रकार सम्मेलनमें बजैत स्थानिय समाजसेवी किमी आनंद वडानम्बर ४ में रहल हनुमान मन्दिर आ शनि मन्दिर स्थापनाके प्रथम बार्षिकोत्सवके अवसरपर धार्मिक अनुष्ठान आयोजन कएलजारहल जानकारी देलनि । ५ दिनक महोत्सवमें काशी सँ आमन्त्रित विद्वानगण द्वारा पुजा–पाठ आ हवन कराबके साथे पण्डित चन्द्रभान द्विवेदी भागवत कथा वाचन करताह ।
हिन्दु धर्मके संरक्षण आ जागरुकताके उद्धेश्य सहित महोत्सव आयोजन कएलजारहल आनंद जानकारी देनेछथि । विराटनगरके सिमा लग कार्यक्रम आयोजन होएत आ नेपाल दिस सँ सेहो हजारों श्रद्धालु सबके सहभागिता होबएके रहलासँ हुनका सबके लेल निशुल्क खानपान तथा आवासके ब्यवस्था सेहो कएलगेल आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।
महोत्सवके पहिलदिन रविदिन घोडसवार तथा बाजागाजा सहित हजारौंके सहभागितामें कलश यात्रा निकालल जाएत बताओलगेल अछि । कलशयात्राके सहभागि जोगबनीके परमान नदीसँ जल भरवाक कार्यक्रम अछि ।
धर्मप्रेमी,समाजसेवी तथा स्थानियवासीके सहयोगमें कार्यक्रम होमएलागल बतओलगेल अछि ।