कटहरी । मोरङके कोच राजवंशी समुदाय सांस्कृतिक पर्व कादो सिरुवा मनौने अछि । ओसब एक–आपसमें कादो औंसक बृहस्पितदिन सिरुवा मनौने अछि ।
मोरङके कोच राजवंशी समुदाय नयाँ बर्षके पुर्व सन्ध्यामें प्रत्येकबर्ष कादो सिरुवा मनबैत अछि । इ समुदाय नयाँबर्ष बैशाख १ गतेके पुर्व सन्ध्या सँ तिन दिनतक सिरुवा पाबनि मनबैत अछि । पाबनि शुरुआतके पहिलदिन कादो सिरुवा मनबैके प्रचलन अछि । ओइ अवसरमे मोरङके कटहरी गाउँपालिकास्थित राजवंशी संस्कृति संरक्षण तथा विकास केन्द्र कादो सिरुवा पर्वके आयोजना कएने अछि ।
कार्यक्रममें जमाभेल समुदायके युवायुवती सहित सब बर्ग उमर समुहके ब्यक्तीसब एक दोसरके कादो औंसक सिरुवा मनौने अछि । बितल बर्षमे भेलगेल गल्तीसब कादोसंगें पाखारिक नया बर्षके स्वागत करएलेल कादो सिरुवा मनाओल जाईत अछि । आदिवासी राजवंशी समुदाय प्रकृतिके पुजक रहलासँ सेहो कादो माइटसंग झुमैत कादो सिरुवा मनबैत आएल राजवंशी संस्कृति संरक्षण तथा विकास केन्द्रके पुर्व अध्यक्ष भिमराज राजवंशी बतौने छथि ।
तराईके आन जिल्लासबमें बैशाख १ सँ ३ गतेतक सिरुवा मनाओलजाईत अछि मुदा मोरङके कोच राजवंशी समुदायसब चैत ३० गते सँ सिरुवा मनाबके शुरु करैत अछि । सिरुवा आबएसँ १५ दिन पहिनहिसँ ई पर्वके तयारी शुरु करैत आएल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष परशुराम राजवंशी जानकारी देने छथि ।
नयाँ बर्ष हरेक हिसाबसँ शुभ रहए कामनाके संग पहिलदिन कादो सिरुवा दोसर दिन पानि सिरुवा आ तेसर दिन रंग सिरुवा मनाएलजारहल ओ बतौनै छथि । सिरुवा खेलैतकाल एकदोसरके कादो के टिका लगाक आपनासँ पैघसँ आर्शिबाद लेलजाइत अछि आ बेटीजमायके नैहर आमन्त्रण करैके चलन सेहो रहल कटहरीके स्थानिय प्रतिमा राजवंशीे बतौने छथि ।
मधेश प्रदेश सहित तराईके जिल्लासबमे तीन दिनतक पानि,माइट आ रङ खेलक धुमधामसँग सिरुवा पाबनि मनाओलजाईत अछि । सिरुवा राजवंशी, ताजपुरिया, गन्गाईं, थारू, माझी, मेचे, उराँव, किसान, धिमाल लगायत आदिवासी समुदायसब सेहो सांस्कृतिक पर्वके रुपमें मनबैत अछि ।
सिरुवाके अवसरमें वैशाख १ गतेसँ सुनसरी,मोरङ आ झापाके विभिन्न ग्रामीण बस्तीसबमें पारम्परिक मेला सेहो लगैत अछि ।