मिस्टर एण्ड मिस विराट राजवंशीके सहभागि कराक २१ दिनक प्रशिक्षण शुरु भेल अछि ।
विराटनगर ५ स्थित रामजानकी मन्दिर धर्मशाला परिसरमें प्रशिक्षण शुरु भेल अछि । पहिल दिनके प्रशिक्षणमें आयोजक संस्थाके अध्यक्ष किरण राजवंशी,राजवंशी समाज उत्थान समितिके अध्यक्ष भुवनेश्वर मण्डल राजवंशी,महासचिव काशीनाथ राजवंशी आ मैथिल संचारकर्मी संघके अध्यक्ष नवीन कर्ण ब्यक्तीत्व विकास सहित विविध बिषयमें प्रशिक्षण देने छलथि ।
प्रशिक्षणमें अडिशन चरण पार कक आएल विराटनगर महानगरपालिका,कटहरी,जहदा,धनपालथान आ दुहबी नगरपालिकाके सहित २६ गोटे युवा युवती सबहक सहभागिता अछि । युवा सबहक सर्वपक्षिय विकासके उद्धेश्यसहित विराट राजवंशीके युवायुवतीके सहभागि कराक नेपालमें पहिलबेर मिस्टर एण्ड मिस विराट राजवंशी प्रतियोगिता आयोजन कएलगेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष राजवंशी जानकारी देनेछथि ।

सहभागिके ब्यक्तीत्व विकास,उद्घोषण,सौन्दर्य बिधा,मोडलिङ,अभिनय लगायतक बिषयमें प्रशिक्षण देलजाएत आयोजक समिति जानकारी देने अछि । प्रतियोगिताके फाईनल यैह चैत ३० गते विराटनगरमें होएत ।
प्रतियोगिताके उपाधि बिजेताके नगद ३१ हजार सहित उपाधि प्रदान कएलजाएत आयोजक समिति जानकारी देने अछि ।





