विराटनगर । मिस्टर एण्ड मिस विराट राजवंशीके अडिशन चरण पार केनिहार प्रतिस्पर्धिके सहभागि कराक अभिमुखीकरण कार्यक्रम कएलगेल अछि ।

विराटनगर–५ स्थित राधाकृष्ण धर्मशाला परिसरमें शनिदिन अभिमुखीकरण कार्यक्रम कएलगेल । कार्यक्रममें आयोजक विराट राजवंशी प्रगतिशील विकास समाज समितिके अध्यक्ष किरण राजवंशी आ पत्रकार नवीन कर्ण प्रतिस्पर्धिके प्रतियोगिताके प्रभाव आ गरिमाके बिषयमें जानकारी करौलनि ।

फागुन ९ गते विराटनगरमें भेल उक्त प्रतियोगिताके अडिशनस ५१ गोटे पहिल चरण पार कक प्रशिक्षण चरणमें प्रवेश कएने अछि । अडिसनस ३३ महिला आ १८ पुरुष कक ५१ गोटे नाम निकालएमें सफल भेल अछि । तहिना ९ गोटे महिला प्रस्पर्धिसब वैकल्पिकमें नाम निकाल्ने अछि ।

अडिसनस महिला दिस टप फाईभमें कटहरी १ के सुजिता राजवंशी,विराटनगर ५ के प्रिति राजवंशी, निमा राजवंशी आ रेविका राजवंशी तथा कटहरी १ के सुश्मा राजवंशी नाम निकालएमें सफल भेल अछि । तहिना पुरुषतर्फ टप फाईभमें बुढीगंगा २ के सुनिल राजवंशी,कटहरी ६ के प्यारेलाल राजवंशी,जहदा ३ के सदानन्द राजवंशी,बुढीगंगा २ के जयकुमार राजवंशी आ दुहबी १२ के विवेक राजवंशी अछि ।

प्रतियोगिताके अडिसनमें पत्रकार एवम कवि मीनकुमार नवोदित,पत्रकार सन्तोष सिग्देल,पत्रकार नवीन कर्ण,सामाजिक अभियन्ता पंकज बर्मा,पत्रकार वीरेन्द्र साह आ ब्यूटिशियन निलु कर्ण तथा आयोजक संस्थाके अध्यक्ष किरण राजवंशी निर्णायकके भुमिका निर्वाह कएने छलथि ।

पहिल चरण पार केनिहार प्रतिस्पर्धिके सहभागि कराक अभिमुखीकरण कार्यक्रम कएलगेल अछि । प्रतियोगितामें अडिसन हेतु १ सौ सँ बेसी आवेदन अएलामें ७६ गोटे अडिसनमें सहभागि भेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष किरण राजवंशी जानकारी देलनि ।

अडिसन पास केनिहार ५१ गोटेके फाईनल चरणके प्रतिस्पर्धा हेतु तिन सप्ताह क तालिम दक दक्ष बनाओलजाएत ओ जानकारी देनेछथि । प्रतियोगिताके फाईनल स्पर्धा चैत ३० गते विराटनगरमें आयोजन कएलजाएत बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु