विराटनगर । युवासबके कानुन तथा सार्वजनिक नीति निर्माणमें सहभागि कराबएके उद्धेश्य सहित विराटनगरमें प्रशिक्षण कार्यक्रम आयोजन कएलगेल अछि ।

पोखरा रिसर्च सेन्टर आ विकल्प एन अल्टरनेटिभ तथा अमेरिकी दुतावासके सहयोगमें प्रशिक्षण कार्यक्रमके आयोजन कएलगेल अछि । विराटनगरके एकटा निजी होटलमें आयोजन कएलगेल प्रशिक्षण कार्यक्रममें प्रदेश एकके ११ जिल्लाके २० सँ ३० बर्ष उमर समुहके ५० गोटे युवासब सहभागि अछि ।

प्रशिक्षणके प्रदेश एकके सभामुख बाबुराम गौतम उद्घाटन कएलनि । प्रशिक्षणके सहभागि युवाके संसदीय प्रक्रियाके बिषयमें अध्ययन अनुसन्धान,तथ्यांक बिश्लेषण,नीतिसँग सम्बन्धित मुद्धासब बनएनाई लगायतके बिषयमें विज्ञ मार्फत प्रशिक्षण दिआबके कार्यक्रम अछि ।

सहभागिके नीति तथा योजना आयोग प्रदेश एकके पुर्व उपाध्यक्ष सुबोध प्याकुरेल,प्रदेश एक कानुन मन्त्रालयके सचिव उमेश बस्नेत,विकल्पके चेयर पर्सन डाक्टर भेषप्रसाद धमला आ डा.सन्देश दास श्रेष्ठ लगायत प्रशिक्षण देताह ।

सहभागि युवाके प्रदेश आ संघीय सरकारके काम करएके तरिका तथा आबएबला चुनौती लगायतक बिषयमें प्रशिक्षणकें क्रममें विज्ञ मार्फत जानकारी भेटत विकल्प एन अल्टरनेटिभ विराटनगरके संस्थापक निर्देशक बसन्त अधिकारी बतौनेछथि । पहिल चरणके प्रशिक्षणमें सहभागि भेल ५० मध्य २५ गोटे युवाके दोसर चरण हेतु छनौट कएलजाएत आयोजक जानकारी देने अछि ।

दोसर चरणमेंस १२ गोटे छनौट कक ६ महिनाके तालिम पश्चात प्रदेश सभाके सदस्यसब संग ज्ञान सहयोगिके रुपमें ६ महिना काम करवाक अवसर उपलब्ध कराओलजाएत आयोजक पोखरा रिसर्च सेन्टरके संस्थापक कार्यकारी निर्देशक सुजन रेग्मी जानकारी देनेछथि ।

सम्बन्धित खबरहरु