कटहरी गाउपलिकामे आयोजन भेल वडाध्यक्ष कप टी ट्वान्टी क्रिकेट प्रतियोगिताके उपाधि विराटनगरके वाइआरसिसि क्रिकेट क्लब जितने अछि ।
कटहरी ३ के खेलमैदानमें शनिदिन भेल फाइनल खेलमें आयोजक टिमके ३९ रनसँ पराजित करैत वाइआरसिसि उपाधि हासिल कएने अछि । टस जितक आयोजक टीमद्वारा बलिङ पसन्द कएलापर ब्याटिङ करएलेल मैदानमें उतरल वाइआरसिसि १७ दशमलव २ बल खेलैत ९ बिकेट गुमाक १ सौ ३२ रनके योगफल तैयार कएने छल ।
बिजयी टीमके लेल सातम विकेटमें ब्याटिङके लेल मैदानमें उतरल श्रवण यादव ४४ बलमें ६९ रन बनाक जीतके मजबुत आधार बनौने छलथि । ओ ७ छक्का आ ४ चौका प्रहार कएने छलथि । तहिना सुजन थपलिया ११ बलमें १३ रन बनौने छलथि । जवाबी ब्याटिङमें उतरल आयोजक कटहरीके टीम ९३ रनमें अल आउट भेल छल ।
कहरीके लेल अभिषेक कामत २६ बलमें १८ रन,रणधिर कामत १५ बलमें १६ रन,पंकज गिरि आ सलित कामत समान ८⁄ ८ रन लेलनि । विजयी टिमके श्रवण यादव म्यान अफ दी म्याच घोषित भेलथि । तहिना आयोजक टिमके कप्तान मनोज मण्डल म्यान अफ सिरीज,दिलबन्धु पात्रो बेस्ट बलर आ मिल्स क्रिकेट क्लबके अभिषेक शर्मा बेस्ट ब्याट्सम्यान घोषित भेलथि ।
बिजेता आ उपबिजेता टीमके कटहरी गाँउपालिकाके अध्यक्ष देवराज चौधरी आ कटहरी ३ के वडाध्यक्ष जदुलाल कामत ट्रफी मेडल आ प्रमाणपत्र बितरण कएलनि । कटहरी ३ नम्बर वडा समिति कार्यलयके आयोजनामें माघ १३ गते सुरु भेल प्रतियोगितामें प्रदेश एकके ८ टा टीमके सहभागिता छल ।