कटहरी⁄ १३ फिट बाट ४० फिट चौडा करएके काज शुरु भेलापर कटहरी १ महेशपुरके बासिन्दा उत्साहित भेल अछि ।

कटहरी १ में रहल कृषि तथा फलफुल थोक बजारस उत्तरदक्षिण जमटोकी महेशपुर होईत कटहरी ६ आ ७ में अवस्थित बबियाबिर्ता धरि सडक आ नाली बिस्तारके काज शुरु भेल अछि । अहिस पहिने १३ फिट मात्र रहल पीचे सडक ४० फिट चौडा कएलजारहल अछि ।

सडक बिस्तार शुरु भेलापर सडक कातक अधिकांश बासिन्दाके जमिन सडकके मापदण्ड भितर परल अछि । कटहरी १ के सदरी ठाकुर अपन ६ फिट जमिन सडकमें परलोपर सडक बिस्तार शुरु भेलास अपनेसब खुशी रहल प्रतिक्रिया देलनि । पहिल चरणमें ओहि सडकको दुनू कात पक्की नाली निर्माणके काम शुरु भेल अछि ।

सडक डिभिजन कार्यालय मार्फत निकाललगेल टेण्डर मार्फत सुनसरी गढी ३ के सरोज कन्सट्रक्शन नाली निर्माणके ठिक्का हासिल कएने अछि । उक्त निर्माण कम्पनी २९ लाख ७५ हजार ५ सौ २९ रुपैयामें ४६८ मिटर नाला निर्माणके कार्यादेश प्राप्त कएने अछि । निर्माण कम्पनीद्वारा ०७९ अषाढ १५ धरिमें निर्माण सम्पन्न करवाक सम्झौता अछि ।

ग्रामीण क्षेत्रसबमें सेहो बस्ती बिस्तार तीब्र रहलास सवारीसाधनके चाप बढल जाहिस सडक बिस्तारके काज शुरु कएलगेल कटहरी १ के वडाध्यक्ष हरिनारायण राजबंशी बतौनेछथि ।

शुरुमें नाला निर्माण आ तेकरबाद सडक बिस्तारके काज शुरु कएलजाएत वडाध्यक्ष राजवंशी जानकारी देने छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु