विराटनगरके वाईआरसिसि क्रिकेट क्लब कटहरी गाउँपालिकामें जारी वडाध्यक्ष कप टी ट्वान्टी क्रिकेट प्रतियोगिताके फाईनलमें प्रवेश कएने अछि ।
प्रतियोगिता अन्र्तगत कटहरी ३ के खेल मैदानमें मंगलदिन भेल पहिल सेमिफाईनल खेलमें विराटनगरके होराईजन क्रिकेट क्लबके १७ रनसँ पराजित करैत वाईआरसिसि फाईनलके यात्रा तय कएने अछि । टस जितक पहिल ब्याटिङ केनिहार वाईआरसिसि १९ ओभर ३ बलमें १ सौ ४५ रन बनाक प्रतिस्पर्धि टिमके १ सौ ४६ रनके बिजय लक्ष्य देने छल ।
ओहि क्रममें बिजयी टिमके सोनु अंसारी ५२ आ सुमन थपलिया ४० रनके योगदान देलनि । जवाबी ब्याटिङमें उतरल होराईजन १८ ओभरमें अलआउट होईत १ सौ २८ रनमें सिमित भेल छल । होराईजनके तर्फसँ सबसँ बेसी समिर कार्की २६ आ पुष्प थापा २५ रन लेलनि ।
प्रतियोगितामें बिजयी टिमके खेलाडी श्रवण यादव म्यान अफ दि म्याच घोषित भेलथि ।, ओ ४ ओभरमें १८ रन खर्च क ४ बिकेट लेबएमें सफल भेलनि । बुधबारदिनके दोसर सेमिफाईनल खेल आयोजक कटहरी–३ आ विराटनगरके मिल्स क्लब क्रिकेट एण्ड एकेडमी बिच होएत आयोजक समितिके ज्योतिष कामत जानकारी देनेछथि ।
प्रतियोगिताके फाईनल खेल २१ गते शनिदिन होएत । कटहरी ३ के वडा कार्यालय प्रतियोगिता आयोजन कएने अछि ।