कटहरी गाउँपालिकामें जारी वडाध्यक्ष कप टी ट्वान्टी क्रिकेट प्रतियोगितामें तेसर दिनके खेलमें आयोजक कटहरी क्रिकेट टिम जित हासिल कएने अछि ।
रबिदिन भेल खेलमें विराटनगरके बिसिसिए क्रिकेट क्लबके पराजित करैत आयोजक टिम जीत हासिल कएने अछि । कटहरी ३ के खेल मैदानमें भेल तेसरदिनके खेलमें बिसिसिएके आयोजक टिम ४ विकेटस पराजित करैत जितल अछि ।
शुरुआती ब्याटिङमें बिसिसिए निर्धारित २० ओभरके खेलमें ८१ रन बनबैत प्रतिस्पर्धि टिमके ८२ रनके टार्गेट देने छल । जबाबी ब्याटिङमें उतरल आयोजक टिम १४ ओभर १ बलमें लक्ष्य हासिल कएने छल । ओहि क्रममें कटहरीके राहुल मण्डल १५ बलमें २१ रन बनौने छल तथा राजाबाबु कामत २८ बलमें १९ रनके योगफल बनाक टिमके बिजय यात्रा करौने छल ।
अहिस पहिने विराटनगर बिसिसिएके तर्फस सबस बेसी रोशन खत्री ३४ बलमें १७ रनके योगदान देने छल । जितसंगे आयोजक टिम सेमिफाईनलमें सिट सुरक्षित कएने अछि । खेलमें बिजयी टिमके राहुल मण्डल म्यान अफ दी म्याच घोषित भेलथि ।
सोमदिनके खेल मिल्स एकेडमी आ कटहरी ४ के क्रिकेट क्लबबीच होएत बताओलगेल अछि । कटहरी ३ के वडा कार्यालय प्रतियोगिता आयोजन कएने अछि ।