विराटनगर । मैथिली अनलाइनके प्रस्तुति रहल ‘नगिनीयाँ’ बोलके मैथिली गीतक भिडियो रिलिज भेल अछि ।

मैथिली अनलाइनके युट्युब च्यानलपर शुक्रदिन अपरान्ह इ गीत रिलिज भेल अछि । ‘कतेक के तों डँसबिही नगिनीयाँ’ बोलके अहि म्यूजिक भिडियोके गीत पत्रकार नवीन कर्ण लिखने छथि । विराटनगरके ग्रामिण बस्ती सबमें अहि भिडियोके छायाँकन कएलगेल अछि ।

निर्देशक राजु राजदेव चौधरी अहि भिडियोके निर्देशन कएने छथि । तहिना भिडियोमें चर्चित कलाकारसब सिरहाके दिनेश महरा आ विराटनगरके माही तनवीर खान नायक–नायिकाके भुमिका निर्वाह कएने छथि । भिडियोके कोरियोग्राफी संजय साह आ छायाँकन धिरेन साह तथा मेकअप कृष्ण सुवेदीके रहल अछि ।

भिडियोके दृष्य सम्पादन निर्देशक सेहो रहल चौधरी स्वयं कएने छथि । सुरेश कुमारके संगित रहल अहि गीतमें मिथला पुत्र गायक भागवत मण्डल तथा नितु कर्ण स्वर देने छथि । राजबिराज क मिशन स्टुडियोमें गीतके रेकर्डिङ कएलगेल निर्माण पक्ष जानकारी देने अछि ।

मैथिली गीतके नामपर श्रब्य आ दृष्यमें अश्लिलता परसयबला परिपाटिके अन्त करैत स्वस्थ्य मनोरंजन प्रदान करएके उद्धेश्यस मैथिली अनलाइनके बैनरमें विभिन्न गीत सबहक निर्माण कार्य जारी रहल निर्माता सेहो रहल नवीन कर्ण जानकारी देनेछथि ।

सार्वजनिक कएलगेल नगिनीयाँ बोलके गीत युवा वर्गके मन जितएमें सफल होएत विश्वास कएलगेल अछि । अहिस पहिने बितल सप्ताह सेहो मैथिली अनलाईनके चैनल पर ‘दिल तोडनी’ बोलके मार्मिक गीत सेहो सार्वजनिक कएलगेल छल । जाहि गीतके दर्शक अत्यधिक पसन्द करहल अछि ।

निचामें रहल लिंक पर क्लिक कक रिलिज भेल गीत देखल जासकैत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु