विराटनगर । लोक शिक्षित रहलोपर अधिकांशमें डिजिटल साक्षरताके अभाव रहल विराटनगरमें आयोजित एकटा कार्यक्रमक वक्तासब बतौने अछि ।

डिजिटल साक्षरताके अभावक कारण ईन्टरनेट प्रयोगकर्तामें विभिन्न प्रकारक समस्या आ जटिलता उत्पन्न भेल ओसब बतौने अछि । डिजिटल राईट्स नेपालद्वारा विराटनगरमें आयोजन कएलगेल डिजिटल अधिकारके मुद्धा आ प्राथमिकता कार्यक्रममें बजनिहार वक्तासब प्रयोगकर्ता पुर्ण जानकार नैभेलाके कारण ब्यक्तिगत तथ्यांकसब चोरी होबएके जोखिम बढल बतौने छल ।

ईन्टरनेट मार्फत संचालित सामाजिक संजाल तथा आन प्रबिधिके प्रयोगक बिषयमें पुर्ण जानकारी नैभेलाके कारण कतेको सर्वसाधारण ठगिमें परिरहल बतबैत ब्यक्तीगत तथ्यांक चोरी होबएके सम्भावना सेहो रहल ओ सब बतौने छल । ओहि अवसरमें बजैत आयोजक संस्थाके अध्यक्ष सन्तोष सिग्देल लोकसब शिक्षित रहलोपर डिजिटल साक्षरताके अभावमें एहन समस्या देखाएल बतौने छलथि ।

ताजा तथ्यांक अनुसार नेपालमें ६५ प्रतिशत ब्यक्ती ईन्टरनेटके प्रयोग करहलोपर अपन डिजिटल अधिकारक बिषयमें पर्याप्त जानकार नैरहल बतौलनि । ब्यक्तीके मानव अधिकारके रुपमें ब्याख्या कएलगेल बिषयसब अनलाईन स्पेसमें पहुँचलापर डिजिटल अधिकारका रुपमें परिर्वतित होइत अछि हुनक कहब छल ।

अध्ययन अध्यापनके साथे आर्थिक आ सामाजिक सब क्षेत्रमें डिजिटल माध्यमके प्रयोग भरहलोपर ताहि अनुरुपक डिजिटल शिक्षाके प्राथमिकता नैदेलगेल हुनक कहब छल । डिजिटल राईट्स विराटनगरके अभियन्ता राजु श्रेष्ठ देखासिखी आ सामान्य जानकारीके आधारपर ईन्टरनेटमें उपलब्ध सामाजिक संजाल तथा एप्ससबके प्रयोग कएलगेलाके कारण कतेको सर्वसाधारणके तथ्यांक चोरी होबएके आ ठगिमें परिरहल बतौलनि ।

नीति निर्माण तहेस डिजिटल साक्षरताके प्राथमिकतामें रखबाक आवश्यकता रहल श्रेष्ठ बतौलनि । बैक ब्यवसायिके तर्फस बजैत ईश्वर कट्ट्ेल प्रबिधि आनलगेलोपर सेवाग्राहीके ओहि बिषयमें पर्याप्त जानकारी नैभेलाके कारण समस्या देखाएल बतौलनि ।

दि राईजिङ नेपालक पत्रकार मोदनाथ ढकाल डिजिटल राईट्सके बिषयमें सब बर्ग आ तहके डिजिटल साक्षर बनाबएहेतु तिनू तहके सरकारद्वारा अपन अपन क्षेत्रस पहल कएलजेबाक सुझाव देलनि । कार्यक्रममें संचार,सामाजिक आ अध्यापन क्षेत्रसंग जुडल ब्यक्तीसबहक प्रतिनिधिमुलक सहभागिता छल ।

आयोजक संस्था सातो प्रदेशमें अहिप्रकारक कार्यक्रम आयोजन करहल बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु