विराटनगर । मैथिली अनलाइनके प्रस्तुति तथा मोरङक तीनगोटे सक्रिय पत्रकार सबहक भुमिका रहल बहुचर्चित मैथिली भिडियो गीत ‘दिल तोड़नी छे तुँ’ रिलिज भेल अछि ।

मैथिली अनलाइनके यूट्युब चैनल मार्फत १ जनवरी २०२३ के शुभ समयपर बितलराति इ गीत रिलिज भेल अछि । गीत सार्वजनिक भेलासंगे इ गीत दर्शक तथा श्रोता सबसँ प्रशंसा प्राप्त करहल अछि । संगित,गायन,अभिनय,प्रस्तुति आ निर्देशनके बेजोड संगम रहल इ म्यूजिक भिडियो आम मैथिली भाषि दर्शकके मन जित रहल अछि ।

बिगतमें रोमान्टिक गीत सबमें अभिनय करैत आएल पत्रकार सेहो रहल अहि गीतक नायक विरेन्द्र साह अहिबेर बियोगान्तक भुमिकामे देखाइत छथि । हुनक अहि भुमिकाके दर्शक पसन्द करहल अछि ।

तहिना चर्चित पत्रकार सोनु कुमार दास अहि गीतमें रोमान्स करैत देखाई छथि । पहिल बेर म्यूजिक भिडियोमें पदार्पण केनिहार हुनक लुक्स आ अभिनयके सेहो दर्शक अत्यधिक पसन्द करहल अछि ।

गीतके केन्द्रीय भुमिकामें रहल नायिका काजल कर्णके अभिनय आ प्रतिभा सेहो अहि गीतमें आओर निखरिक आएल अछि । अहि गीतके सिनेमाटोग्राफर कात्तिक राजवंशी,क्यामरा धिरेन साह, मेकअपमे कृष्ण सुवेदी रहल छथि तहिना दृष्य सम्पादन पवन सहनी कएने छथि ।

सुरेश कुमारके संगित रहल अहि गीतमें मिथिला पुत्र भागवत मण्डल स्वर देने छथि ।अहि गीतके लेखन,निर्देशन आ परिकल्पनाकार सक्रिय पत्रकार नवीन कर्ण छथि । कर्ण लम्बा समयसँ मैथिली भाषा,संस्कृति तथा साहित्यके क्षेत्रमें काज करैत आएल छथि ।

मैथिली अनलाइनके अहि लिंक पर क्लिक कक इ गीत देख सकैत छी ।

सम्बन्धित खबरहरु