विराटनगर । राष्ट्रिय अपाङ महासंघ प्रदेश एक सेवा प्रदायक सार्वजनिक निकायसबके पहुँच परीक्षण प्रतिबेदन सौंपलक अछि ।
महासंघ सार्बजनिक निकायके सेवा प्रदायक कार्यालय सबके भौतिक संरचना अपाङ्ता रहल ब्यक्तिहेतु पहुँचयुक्त रहल नैरहल बिषयक अध्यन प्रतिबेदन अगहन २७ गते सम्बन्धित कार्यालय सबके सौंपने अछि ।
किछु महिना पहिने महासंघ एकटा टोलि गठनकक विराटनगरक विभिन्न कार्यालयमें अपाङ्ता भेल ब्यक्तिसबहक पहुँचके अवस्थाके बिषयमें उक्त कार्यालयसबके भौतिक संरचनाके प्राबिधिक नापजाँच करएने साथे स्वयं अपाङता भेल ब्यक्तिसबके सहभागी कराक अवस्था बिश्लेसण कएने छल ।
ओहि क्रममें जिल्ला प्रशासन कार्यालय, विराटनगर महानगरपालिका,जिल्ला अदालत,उच्च अदालत,राष्ट्रिय मानव अधिकार आयोग आ सरकारी वकिल लगायतक कार्यालय भवनसबके नापजाँच कएने छल । ओहि क्रममें अधिकांश सेवा प्रदायक निकायक भौतिक संरचनासब अपाङता मैत्री नैरहल भेटल राष्ट्रिय अपाङ महासंघ,प्रदेश–१ जन वकालत समुहके संयोजक सन्तोष पण्डित जानकारी देनेछथि ।
राष्ट्रिय अपाङ महासंघ प्रदेश एकके अध्यक्ष नवीन ढुङ्गलके नेतृत्वमें गेल सरोकारवालाके टोली संबंधित कार्यालयके प्रमुखसबके प्रतिबेदन सौंपने अछि । सैह अवसरमें ‘अपाङता भएका ब्यक्तीहरुको न्यायमा पहुँच कार्यान्वयन सहजीकरणÞ’ पुस्तिका हस्तान्तरण कएलगेल छल । राष्ट्रिय अपाङ महासंघ उक्त पुस्तक प्रकाशन कएने अछि ।
पुस्तकमें अपाङ्ता भेल ब्यक्तीप्रति प्रयोग कएलजाएबला भाषाशैली, अवरोधमुक्त आ अबरोधयुक्त संरचनाके जानकारी,कानुनी ब्यबस्था,सेवा प्रवाह प्रणाली लगायतक जानकारी समेटलगेल राष्ट्रिय अपाङ महासंघ,प्रदेश–१ क अध्यक्ष नवीन ढुंगेल बतौनेछथि ।