विराटनगर २४ अगहन । विराटनगर १५ स्थित सामाजिक बचत तथा ऋण सहकारी संस्था लिमिटेडके ११ म बार्षिक साधारण सभा सम्पन भेल अछि ।

स्थानिय एक निजी विद्यालय परिसरमें विविध कार्यक्रम आयोजना करैत ओहि सहकारीके बार्षिक साधारण सभा सम्पन भेल अछि । ओहि अवसरमें उत्कृष्ट बचतकर्ता,ऋणी आ शेयर धनीके सम्मान कएलगेल छल । उत्कृष्ट बचत कर्ताके रुपमें आशा श्रेष्ठ,सुजितकुमार साह,सत्तो सिंह आ रिता कुमारी साहके सम्मान कएलगेल छल ।

उत्कृष्ट ऋणीतर्फ सुशिला पन्त,अनिता सेन आ अरुण चौधरीके सम्मान कएलगेल छल । तहिना असल शेयर धनीके रुपमें खड्गमाया बानिया,उर्मिला देवी साह,रिया भण्डारी आ कात्तिक साहके सम्मान कएलगेल छल । सम्मानित होबएबला सबके विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर नागेश कोईराला,नेपाली काँग्रेस प्रदेश १ के कोषाध्यक्ष राजेश गुप्ता, आयोजक सहकारीके अध्यक्ष मित्रलाल गिरी आ वडानम्बर १५ के सदस्य ईम्तियाज अंसारी फुलमाला तथा दोसल्ला सहित सम्मान कएलनि ।

साधारण सभाके खुला सत्रमें बार्षिक प्रतिवेदन प्रस्तुत करैत संस्थाके अध्यक्ष गिरी सामाजिक सहकारी न्यून आय श्रोत भेल ब्यक्तीसबके आर्थिक उन्नयनके क्षेत्रमें काज करहल बतौलनि । तहिना आर्थिक प्रतिवेदन प्रस्तुत करैत लेखा संयोजक ओमकार आचार्य ३४ लाख १५ हजार ५ सौ शेयर पुँजी रहल सामाजिक सहकारी आर्थिक बर्ष २०७८-७९ में आयकर सहित सम्पुर्ण खर्च कटाक ९३ हजार १ सौ १२ रुपैया खुद मुनाफा आर्जन करएमें सफल भेल बतौलनि ।

२०६९ बैशाख १३ गते गठन भेल ओहि सहकारीमें ५ सौ २ गोटे शेयर सदस्य रहल अछि । अहि सहकारीके गठन समयमें तत्कालिन समयमें उपमहानगर रहल विराटनगर ५० हजार अनुदान सेहो उपलब्ध करौने छल ।

सम्बन्धित खबरहरु