कटहरी गाउँपालिका १ नम्बर वडा कार्यालय हेतु सुविधायुक्त भवन निर्माण सुरु भेल अछि ।
72 लाख स बेसी क लागत स बनय वाला एहि भवन क शिलान्यास शुक्रदिन भेल। कटहरी गाउँपालिकाके अध्यक्ष देवराज चौधरी आ कटहरी १ के वडा अध्यक्ष हरिनारायण राजवंशी भवन के शिलान्यास केलनि । एहि सं पहिने महेशपुर के गणेश प्राथमिक विद्यालय के परिसर मे वार्ड कार्यालय संचालित छल। ओही जमीन पर नव भवन बनय जा रहल अछि।
विराटनगर 8 के टोनिका कंस्ट्रक्शन के भवन के ठेका भेटल अछि. हालांकि भवन निर्माण क अनुमानित राशि 1.8 करोड़ अछि, मुदा निर्माण कंपनी 72 लाख 20 हजार 386 टका मे निर्माण ठेका लेलक अछि। कहल जा रहल अछि जे 2100 वर्ग फीट क भवन मे 3 कमरा, 1 हॉल आ एकटा शौचालय कक्ष क निर्माण होएत।
कटहरी गाउँपालिकाके मुख्य प्रशासनिक अधिकारी रोहिणी आचार्य १५ नवम्बरके योजना शुरु भेलासँ ७ महिनाभितर भवन निर्माण सम्पन्न करबाक ठेका सम्झौता रहल जानकारी देलनि । गाउँपालिका भवन निर्माणके लेल बजेट आवंटित केने जानकारी देलनि । भवन स्थापना समारोह मे गाउँपालिका अध्यक्ष चौधरी कटहरी मे ७ वार्ड मे सँ १ आ ६ वार्ड छोड़ि सब वार्ड मे अपन भवन रहल बतौलनि ।
वार्ड नम्बर १ मे भवन निर्माण जल्दिये सम्पन्न भऽ वडा नम्बर ६ कार्यालयके लेल जमीन अधिग्रहणके क्रममे रहल जानकारी देलनि । वडा नम्बर १ के वडा अध्यक्ष राजवंशी नबका कार्यालय भवन निर्माण के बाद कर्मचारी सबके ग्राहकके सेवा देब आसान भऽ जाएत बतौलनि ।