विराटनगरस्थित महेन्द्रमोरङ आदर्श बहुमखी कलेज परिसरमें नया भवनके निर्माण कार्य शुरु भेल अछि ।

ओहि कलेजमें बिबिए अध्यन–अध्यापन हेतु नया भवनके निर्माण कार्य शुरु भेल अछि । कलेज परिसरके उत्तरी फिल्डमें शुरु भेल निर्माण कार्यके क्याम्पस प्रमुख बाबुराम तिम्सिना शिलान्यास कएने छथि ।

ओहिठाम २४ कोठलीके भवन निर्माण होबए लागल अछि । ३ मंजिला उक्त भवन निर्माणके ठिक्का काठमाण्डू बानेश्वरके रामबोले,मच्छिन्द्र जेभि हासिल कएने अछि । निर्माणाधिन भवनके प्रत्येक मंजिलपर ८ कोठली, सिढी आ शौचालय रहत निर्माण कम्पनीके कमल कार्की जानकारी देनेछथि ।

लगभग १५ हजार ६ सौ स्क्वायर फिटके ओहि भवनमें १८ गो कक्षा कोठली रहत ओ जानकारी देनेछथि । भवनके स्टिमेट रकम ५ करोड ६ लाख ६३ हजार रहलोपर उक्त निर्माण कम्पनी स्टिमेट रकमसँ एकदम कम ४ करोड २४ लाख ८४ हजार २२५ रुपैयामें मात्र भवन निर्माणके ठिक्का लेने अछि ।

विद्यार्थीके संख्या बढैतगेल आ पठनपाठनमें समस्या भेलापर नया भवन निर्माणके प्रक्रिया आगु बढाएलगेल क्याम्पस प्रमुख तिम्सिना जानकारी देनेछथि ।

ओहि भवनके अक्टूबर २०२२ सँ निर्माण शुरु भक २०२३ अक्टूबर एक बर्षके अवधि भितर निर्माण सम्पन्न करएके सम्झौता अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु