विराटनगर । महिला नेतृ बसन्तीदेवी यादव महिला शसक्तीकरण आ बेरोजगार युवाके समस्या समाधानके पहलहेतु अपन उम्मेदवारी रहल बतौनेछथि ।

मोरङ प्रदेश–५ ‘ख’ स उम्मेदवारी देनिहार नेतृ यादव एखनि मतदातासंग भेटघाटमें ब्यस्त छथि । शनिदिन विराटनगर–१५ के भट्टाचौकके युवासबसंग अन्तरक्रिया करैत ओ युवासबके बिदेशजाएके बाध्यताके अन्तहेतु काम करब बतौलनि ।

स्वदेशमें रोजगार आ स्वरोजगारके वातावरण बनाक युवासबके दक्षता प्रयोग कसकलापर मात्र देश समृद्ध बनत ओ धारणा रखलनि । नेतृ यादव क्षेत्र नम्बर ५ अन्र्तगत ग्रामीणक्षेत्रके महिलासब घरेलु हिंसा आ विपन्नताके कारण पीडित रहलास ओहिक्षेत्रमें सेहो अपने काज करब प्रतिबद्धता ब्यक्त कएलनि ।

शिक्षा आ स्वास्थ्य उपचार लगायतक क्षेत्रमें देखाएल समस्या समाधान करएलेल सेहो अपने काज करब ओ बतौलनि । अहिसँ पहिने २०७४ के निर्वाचनमें समानुपातिक उम्मेदवारकेरुपमें अपन प्रतिनिधित्वकालमे क्षेत्रमें विकास निर्माणक बहुतो काज करएमे सफल भेल बतबैत नेतृ यादव आगामी दिनमें सेहो काज करएके अवसर देबएलेल मतदाता समक्ष आग्रह कएलनि ।

कार्यक्रममें सहभागि गुड्डु सिंह,सुमित झा,राजन झा,एम डी अली,अजर खान तथा समाजसेवी शिवु शर्मा सहित ३ दर्जनस बेसी युवासब यादवसंग प्रश्नोत्तरी कएने छल ।

सम्बन्धित खबरहरु