विराटनगरमें सोम दिनसँ विराट राजवंशी महोत्सव मेला शुरु भेल अछि ।
विराटनगर ८ गुरुकुल लग रहल साबिकमें बुधहाट लागएबला खाली चौरीमें मेला शुरु भेल अछि । विराट राजवंशी प्रगतिशिल विकाश समाज समितिके आयोजनामें मेला आयोजन कएलगेल अछि । महोत्सवके विराटनगर महानगरपालिकाके प्रमुख नागेश कोईराला उद्घाटन कएलनि ।
ओहि अवसरमें बजैत मेयर कोईराला मेला राजवंंशी समुदायके पहचान आ संस्कृति झल्काबएमें सफल होएत विश्वास ब्यक्त कएलनि । मेलामें घुमएबला झुलुआ आ मनोरंजनके विभिन्न प्रकारक साधनसबहक साथे खानपानके स्टल सहित राजवंशी समुदायके संस्कृति झल्काबएबला स्टल तथा ब्यापारिक स्टलसब सेहो राखलगेल अछि ।
विराटनगरके केन्द्र बनाक आसपासमें पुस्तोसँ बसोबास करैत आएल विराट राजवंशी समुदायक भाषा संस्कृति प्रर्बधन सहित बिजयादसमीमें मनोरंजन प्रदान करएके उद्धेश्यसहित महोत्सव आयोजन कएलगेल आयोजक संस्थाके अध्यक्ष किरण राजवंशी बतौनेछथि ।
मेलामें स्थानिय सहित राष्ट्रिय गायक तथा कलाकार सबहक प्रस्तुति सेहो समेटलगेल अछि । मेलामें एआर बुढाथोकी,अशोक दर्जी,टंक बुढाथोकी,प्रमोद खरेल,मेलिना राई,अनु चौधरी,प्रिति आले,प्रकाश सपुत,ज्योति मगर,प्रशान्त तामाङ आ बलबहादुर राजवंशी लगायत स्थानिय कलाकारसबहक दैनिक प्रस्तुति रहत आयोजक जानकारी देने अछि ।
घटस्थापना दिनसँ शुरु भेल मेला आसिन २१ गते समापन होएत । महोत्सवमें मैथिली अनलाईन मिडिया पार्टनरके रुपमें भुमिका निर्वाह करहल अछि ।