विराटनगर । होमियोप्याथिक चिकित्सा विज्ञानके आपसी सहकार्य स विकास करैत लजाएके प्रतिबद्धता सहित काठमाण्डूमें आयोजन कएलगेल दू दिनक ईण्डो–नेपाल होमियोप्याथिक साईन्स सम्मेलन सम्पन्न भेल अछि ।

सम्मेलनमें सहभागि नेपाल तथा भारत दुनू देशक होमियोप्याथिक विज्ञसब अहि चिकित्सा विज्ञानके आगा बढबैत लजाएलेल आपसी सहकार्यके प्रतिबद्धता जाहिर कएने अछि । कार्यक्रमके उद्घाटन सत्रमें सहभागि भेल संघीय सरकारके स्वास्थ्य तथा जनसंख्या मन्त्री भवानी प्रसाद खापुङ होमियोप्याथि चिकित्साके सरकार प्राथमिकतामें रखैत आएल बात बतौने छलथि । एम्हर आबिक संक्रमण नै होबएबला रोग सबहक सेहो प्रकोप बढैत गेलास सस्तामें ईलाज होबएबला अहि पद्धतिके आओर विकास कएलजेवाक चाहि हुनक कहब छल ।

कार्यक्रममें नेपाल होमियोप्याथिक चिकित्सक संघक अध्यक्ष डा.रबिन्द्र राय,डा.अम्बिका प्रसाद ज्ञवाली आ डा.बिष्णु कुवान होमियोप्याथिक चिकित्सामें भेल नया अनुसन्धान पत्र प्रस्तुत कएनेन छलथि । तहिना भारत दिसस डा.एमके साहनी सहित विभिन्न १२ कलेजके प्राध्यापक डाक्टरसब अनुसन्धान पत्र प्रस्तुत कएलनि । कार्यक्रममें नेपाल तथा भारतके ४५० गोटे चिकित्सक,स्वास्थ्यकर्मी,औषधि विक्रेता,उत्पादक तथा अनुसन्धानकर्मी वैज्ञानिकसबहक सहभागिता छल ।

नेपाल होमियोप्याथिक चिकित्सक संघ, अल नेपाल होमियोप्याथिक एसोसिएसन, होमियोप्याथिक मेडिकल एसोसिएसन अफ इन्डिया, होमियोप्याथिक साइन्स काँग्रेस सोसाइटी आ जीडी मेमोरियल होमियोप्याथिक मेडिकल कलेज एन्ड हस्पिटल पटनाके सह–आयोजनामें दू दिनक सम्मेलन आयोजन कएलगेल छल ।

काठमाण्डौको वल्र्ड ट्रेड सेन्टरमें भदौ २५ आ २६ गते तदानुसार सेप्टेम्बर १० आ ११ के दुईदिन सम्मेलन आयोजन कएलगेल छल ।

सम्बन्धित खबरहरु