विराटनगर । आँखिके उपचार सेवामें प्रदेश एकके प्रतिष्ठित विराटनगर आँखा अस्पताल अपन स्थापनाके सोलहम बर्षमें प्रवेश करएजारहल अछि ।
सोलहम बर्ष प्रवेशके अवसरमें यैह भादो २८ गते अस्पताल स्थापना दिवस बिशेष कार्यक्रम आयोजना करएजारहल अछि । विक्रमसम्बत २०६३ भादो २८ गते विराटनगर आँखा अस्पतालके स्थापना भेल छल । नेपाल नेत्र ज्योति संघ अन्र्तगत संचालित अस्पताल स्थापना भेला एम्हर एखनिधरि ३५ लाख स बेसी आँखि रोगीके उपचार सेवा द चुकल अछि तथा ८ लाख स बेसी रोगीके आँखिक शल्यक्रिया कचुकल अस्पताल जानकारी देने अछि ।
अहि अस्पतालमें आँखिक ईलाजहेतु भारतके बंगाल आ बिहार सहित विभिन्न राज्यसँ बहुसंख्यक सर्वसाधारण विराटनगर अबैत अछि । इ अस्पताल आँखिके सब प्रकारक रोगके उपचारके साथे आँखिके पुतली प्रत्यारोपण,आँखि सम्बन्धि शल्यक्रिया सहित नशा सुखिक लाईलाज भेल रोगीसबके समाजमें पुर्नस्थापनाके काज सेहो करैत आएल अस्पतालके प्रबन्धक कुमार पृथु बतौनेछथि ।
अस्पतालमें ३२ गोटे नेत्र बिशेषज्ञ सहित ३५० गोटे स्वास्थ्यकर्मी आ कर्मचारीसबहक टिम सेवा प्रदान करैत आएल ओ जानकारी देनेछथि ।




