विराटनगर । मोरङ क्षेत्रनम्बर ५ सँ प्रतिनिधिसभा सदस्यक लेल जनता समाजबादी पार्टीके लोकप्रिय नेता राजकुमार यादवके नाम सिफारिस भेल अछि ।

यादव जसपाके प्रदेश उपाध्यक्ष आ मोरङ जिल्ला अध्यक्षके जिम्मेवारी वहन करैत आएलछथि । जहदा गाउँपालिकामें भादो १६ गते भेल क्षेत्रनम्बर ५ के विस्तारित क्षेत्रीय बैठकसँ जसपाके केन्द्रीय अध्यक्ष उपेन्द्र यादव आ मोरङ जिल्ला अध्यक्ष राजकुमार यादवके नाम सिफारिस भेल अछि ।

केन्द्रीय अध्यक्ष उपेन्द्र यादवके उम्मेदवारी देबएहेतु मधेशप्रदेशके विभिन्न जिल्लासबसँ प्रस्ताव अएलाके कारण हुनक उम्मेद्वारी ओम्हरे कतहुसँ होबएके सम्भावना रहल श्रोत जानकारी देने अछि । यद्यपि केन्द्रीय अध्यक्ष उपेन्द्र यादव मोरङ ५ सँ उठएके निर्णय कएलापर स्वयं हुनका जिताबएलेल सहर्षरुपमें परिचालित होएब मोरङ अध्यक्ष यादव बतौनेछथि ।

राजकुमार यादव मधेश आन्दोलनमें अग्रपंक्तीमें रहिक लडएबला नेताकेरुपमें अपन पहिचान स्थापित कचुकल छथि । २०६२-६३ के मधेश आन्दोलनके समयमें सक्रियरुपमें आन्दोलनमें समर्पित भेल यादव कतेको बेर पक्राउ भक यातना सेहो झेल चुकल छथि । पार्टी आ जनताके सेवामें निरन्तर खटएबला जुझारु नेताकेरुपमें परिचित यादव क्षेत्रबासी जनतासंग नियमित प्रत्यक्ष सम्पर्कमें रहनाई पसन्द करैछथि ।

बिगतमें भीषण बाढीके पीडा होए कि कोरोना महामारी कालमें सेहो यादव क्षेत्रवासीके घरघर पहुँचक सेवा कार्यमें खटल छलथि । बितल निर्वाचनमें पराजित भेलोपर निरन्तर क्षेत्रबासीके बिचमें रहैत अएलासँ अहिबेर बिगतस अपन स्थिति आओर मजबुत भेल यादव बतौनेछथि । जसपासँ क्षेत्र नम्बर ५ में प्रदेशसभा (क) दिस पन्नालाल मण्डल, प्रकाश कुमार मण्डल, प्रमोद शर्मा आ विमला साहके नाम सिफारिस भेल अछि ।

तहिना प्रदेशसभा (ख) में प्रदेश १ का वर्तमान स्वास्थ्य मन्त्री जयराम यादव, दिनेश साह, मंतलाल यादव,अमृत महतो आ विनिता सिंहके नाम सिफारिस भेल अछि । स्वास्थ्यमन्त्री यादव सैह क्षेत्रसँ उपनिर्वाचनमें संघीय सांसदमें निर्वाचित भेल छलथि । मन्त्री यादव २०७४ के प्रदेशसभा निर्वाचनमें ५ (ख) सँ प्रदेशसभामें निर्वाचित भेलथि ।

विसं २०६४ के संविधानसभाके निर्वाचनमें अहिक्षेत्रसँ तत्कालीन मधेशी जनअधिकार फोरमके अध्यक्ष उपेन्द्र यादव निर्वाचित भेल छलथि । २०७० सालके संविधानसभा दोेसर निर्वाचनमें उपेन्द्र यादव नेपाली कांग्रेसके उम्मेदवार अमृतकुमार अर्यालसँ पराजित भेल छलथि ।

२०७० सालके निर्वाचनमें मोरङमें नौटा संसदीय क्षेत्र छल मुदा २०७४ सालके निर्वाचनमें मोरङ ६ टा संसदीय क्षेत्रमें मात्र सीमित भेल छल । मोरङ क्षेत्र नम्बर ५ में अहिसँ पहिने २०७४ के चुनावमें वाम गठबन्धन दिससँ माओवादी केन्द्रके शिवकुमार मण्डल विजयी भेल छलथि ।

ओहि समयमे मण्डल २२ हजार ९४५ मत प्राप्त कक विजयी भेल छलथि तथा नेपाली कांग्रेसके अमृत अर्याल १९ हजार १५३ मत प्राप्त कएने छलथि । तत्कालीन संघीय समाजवादी फोरम नेपाल हाल जसपाके राजकुमार यादव १८ हजार ६४९ मत हासिल कएने छलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु