विराटनगर । कलवार समुदाय श्रद्धा भक्तीपुर्वक अपन कुलदेवता भगवान बलभद्रके जन्मजयन्ती मनारहल अछि ।

प्रत्येकबर्ष भाद्रशुक्ल षष्ठी तिथिकेदिन बलभद्र जयन्ती मनाओलजाइत अछि । जन्मजयन्तीके अवसरमें विराटनगरस्थित बलभद्र सेवा समिति विविध कार्यक्रम आयोजन कएने अछि । ओहि अवसरमें समिति प्रभातफेरी,कलशयात्रा आ पुजापाठके आयोजन कएने अछि । जयन्तीके अवसरपर समिति शुक्रदिन भोर प्रभाफेरी निकालने अछि ।

स्थानिय रामजानकी मन्दिर परिसरसँ निकाललगेल प्रभातफेरीके सहभागि मेनरोडसँ गोश्वारा रोड होइत नगरक्षेत्रके विभिन्न भागके परिक्रमा कएने छल । तहिना ओहिठामसँ निकाललगेल महिलासबके कलशायात्रा सेहो नगरक्षेत्रके विभिन्न भागके परिक्रमा करैत केशलिया रोडमें रहल निर्माणाधिन बलभद्र मन्दिर परिसरमें पहुँचक समापन भेल छल ।

सामजिक एकताके सन्देश सहित बलभद्र जयन्ती मनाओलजारहल समितिके सदस्य सोहनप्रसाद भगत बतौनेछथि । भगवान श्रीकृष्णके भैयाकेरुपमें वर्णित भगवान बलभद्रके कलवार समुदाय अपन बंशपिता आ कुलदेवताके रुपमें पुजैत आएल अछि ।  कलबार समुदायके बसोबास रहल नेपाल,भारत आ भुटान सहितके देशसबमें सेहो बलभद्र जयन्ति मनाओलजाइत अछि ।

विराटनगरके केशलियारोडमें बलभद्र मन्दिर निर्माणक क्रममें अछि । ओहिठाम समाजसेवी ध्रुवनारायण लाल कर्णद्वारा २०५६ सालमें दान देलगेल २ कट्ठा जमिनमें धर्मशाला आ मन्दिरके निर्माण कार्य प्रगतिमें रहल समितिके अध्यक्ष अधिवक्ता पुनमकुमार गुप्ता जानकारी देनेछथि ।  मन्दिरके निर्माण अपने खर्चपर सम्पन्न करएके गुप्ता पै्रतिबद्धता ब्यक्त कएने छथि ।

विराटनगर महानगरपालिकामें कलवार समुदायक २ सौ घरधुरी आ लगभग २ हजार जनसंख्या रहल बताओलगेल अछि । अहि समुदायक मातृभाषा भोजपुरी अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु