विराटनगर । पशु स्वास्थ्य तथा पशु सेवा परिषद विधेयक २०७९ के सर्मथनमें विराटनगरमें खबरदारी (याली निकाललगेल अछि ।
बितल साओन ३१ गते प्रतिनिधि सभासँ पारित भेल ओहि बिधेयकके बिषयमेें राष्ट्रिय सभामें छलफल शुरु भरहल समयमें बिधेयक पास करएके खबरदारी सहित -याली निकाललगेल अछि । पशु चिकित्सकसब उक्त विधेयक पास नैहोबदेबलेल षडयन्त्र करहल दाबी करैत खबरदारी -याली निकाललगेल अछि ।
नेपाल पारा भेटेरिनरी एण्ड लाईभ स्टक एशोसिएशन प्रदेश–१,नेपाल एनिमल साईन्स एशोसिएसन आ नेपाल पशु स्वास्थ्य सेवा प्राबिधिक संघ संयुक्तरुपमें -याली निकालने अछि । भेटनरी रोडसँ निकलल -याली रोडशेषचौक होइत महेन्द्रचौकपर जाक कोणसभामें परिणत भेल छल ।
ओहि क्रममें बजनिहार वक्तासब अहिसँ पहिने २०५५ सालमें लागु भेल पशु चिकित्सा परिषद ऐन अनुसार भेटनरी डाक्टरीसब मात्र काउन्सीलमें दर्ता भसकएके प्राबधान रहलासँ तेकरा परिमार्जित कक प्राबिधिकसबके सेहो समेटक बिधेयक अएलापर चिकित्सकसब अनावश्यक विरोध करहल बतौने छल ।
नेपाल पारा भेटेरिनरी एण्ड लाईभ स्टक एशोसिएशन प्रदेश–१ के संयोजक योगेन्द्रलाल यादव बिधेयक पारित होबएके अवस्थामें पहुँचलापर असफल करएके षडयन्त्र शुरु भेलासँ बाध्य भक खबरदारी सभा करएपरल बतौने छलथि ।
कार्यक्रममे नेपाल एनिमल साईन्स एशोसिएसनके कुमारसिंह खत्री आ औषधि ब्यवसायि संघके बिष्णु निरौला लगायतक ब्यक्तसब बिधेयकके पक्षमें बजने छलथि ।ओहि अवसरमें सहभागि बिधेयक पास करएके माग सहित नाराबाजी सेहो कएने छल ।