विराटनगरस्थित प्रदेश प्रहरी तालिम केन्द्र परिसरमें बृहस्पतिदिन एकटा कार्यक्रमकबीच हाले तालिम सम्पन्न केनिहार ७१४ गोटे प्रहरी जवानसब सपथ ग्रहण करैत कार्यक्षेत्रमें प्रवेश कएने अछि ।

तालिम केन्द्रद्वारा २०७८ साल आसिन १७ गते सँ संचालन कएलगेल प्रहरी जवान १३९ म समुहके २ सौ ३४ कार्यदिनके आधारभूत तालिम सम्पन्न केनिहार जवानसब दीक्षित भक अपन कार्यक्षेत्रदिस गेल अछि । तालिमकेन्द्र १ नम्बर प्रदेश प्रहरी प्रमुख प्रहरी नायव महानिरीक्षक सुदिप गिरीके प्रमुख आतिथ्यतामें दीक्षान्त समारोह आयोजन कएने छल ।

प्रशिक्षार्थीसबके तालिम केन्द्रके समादेशक प्रहरी बरिष्ठ उपरीक्षक राजेशनाथ बास्तोला शब्दमा सपथ ग्रहण करौने छलथि । दीक्षान्त समारोहमें १५४ गोटे महिला सहित ७१४ गोटे प्रहरी जवानसब दीक्षित भेल छल । १ नम्बर प्रदेश प्रहरी तालीम केन्द्र रानी बिराटनगरमें ५२४ गोटे, प्रहरी गण रानीमें ९८ आ नेपाल प्रहरी बिशेष सुरक्षागण दुहवीमें ९२ गोटे प्रशिक्षार्थीसबके प्रशिक्षण देलापश्चात तालिम केन्द्रके प्राङगणमें संयुक्त रुपमें दीक्षित कएलगेल अछि ।

तालिम अवधिमें प्रशिक्षार्र्थीसबके नेपाल प्रहरी संगठनके परिचय, सुरक्षा, प्रहरी कार्य तथा अपराध नियन्त्रण, अपराध अनुसन्धान आ बिद्यामान कानुन, प्रहरी युक्ती तथा कारबाही लगायतक बिषयमें प्रशिक्षण देलगेल तालिम केन्द्रके सह समादेशक प्रहरी नायव उपरीक्षक चतुर्भुज ओझा बतौनेछथि ।

ओहि अवसरमें तालिम अवधिभरि भेल चरणगत परिक्षाके प्राप्ताङ्कके आधारमें सर्वप्रथम होबएमें सफल प्रशिक्षार्थी प्रहरी जवान अच्युत राज राई सहित विभिन्न ९ बिधामें उत्कृष्ट भएका प्रशिक्षार्थी आ प्रशिक्षकसबके कार्यक्रमके प्रमुख अतिथी प्रदेश प्रहरी प्रमुख गिरी प्रमाणपत्र तथा नगद पुरस्कारद्धारा पुरस्कृत कएने छलथि । दीक्षित प्रहरी जवानसबके नागरीकमैत्री बनएहेतु ओ निर्देशन सेहो देनेछलथि ।

सम्बन्धित खबरहरु