विराटनगर । विराटनगरमें आयोजन कएलगेल नि∶शुल्क स्वास्थ्य शिवीरसँ २ सौ गोटे ज्येष्ठ नागरीक स्वास्थ्य सेवा लेने अछि ।

विराटनगर–९ कलेजरोड,भानु टोलस्थित नेपाल ग्रामीण विकास समाज केन्द्र (एनआरडीएससी) द्वारा ज्येष्ठ नागरिकके लक्षित कक आयोजन कएलगेल शिवीरसँ उक्त संख्याके बिमार स्वास्थ्य सेवा लेने अछि । शिविरमे स्त्रीरोग सेवा, आँखि, छालारोग तथा नाक,कान,घाँटी रोगके बिशेषज्ञ चिकित्सकसब सेवा देने छल ।

विराट हस्पिटलके डाक्टर सुनिल देवके नेतृत्वके चिकित्सकसब नगरक्षेत्रके विभिन्न वडा तथा संघसंस्थासँ आएल बिमारसबके स्वास्थ्य जाँच कएने छल । शिविरमें आउल लोकसबके आवश्यक दबाई सेहो नि∶शुल्क उपलब्ध कराएलगेल छल ।

शिविरसँ बेसी सँ बेसी लोकसब लाभान्वित भसकए उद्धेश्यसँ नगरक्षेत्रके विभिन्न वडामें क्रियाशिल ज्येष्ठ नागरीक संघसंस्थाके पत्राचार कक ओहिठामक आश्रितके शिविरमें सहभागि कराएलगेल आयोजक संस्थाके कार्यसमिति सदस्य राजु श्रेष्ठ जानकारी देनेछथि ।

अहिसँ पहिने उद्घाटन कार्यक्रममें बजैत विराटनगर महानगरपालिकाके उपप्रमुख शिल्पा निराला कार्की एनआरडीएससी ज्येष्ठ नागरीकके क्षेत्रमें करैत आएल सेवाकार्य प्रशंसनिय रहल बतौलनि । ओ ज्येष्ठ नागरीकके सेवामें समर्पित ओहि संस्थाके महानगरपालिकाद्वारा आवश्यक सहयोग उपलब्ध कराबएके प्रतिबद्धता ब्यक्त कएलनि ।

आयोजक एनआरडीएससी के सभापति मणिकुमार अज्र्याल अपन संस्था ज्येष्ठ नागरीकके लक्षित कक ब्रह्मज्ञानी विश्रामालय सेहो संचालन करैत आएल बतौलनि । विश्रामालयमें ५० गोटेसँ बेसी ज्येष्ठ नागरीसब दैनिक आबिरहल अज्र्यालले जानकारी देनेछलथि ।

विराट मेडिकल एण्ड टिचिङ हस्पिटलके प्राबिधिक सहयोगमें स्वास्थ्य शिविर आयोजन कएलगेल छल । कार्यक्रमके उद्घाटन सत्रमें समाजसेवी दीनबन्धु गोयल,विराटनगर महानगरपालिकाके स्वास्थ्य महाशाखा प्रमुख डाक्टर विशाल देव तथा अर्थशास्त्री एवम समाजसेवी भेषप्रसाद धमला लगायतक सहभागिता छल ।

सम्बन्धित खबरहरु