विराटनगर । अपाङ्ता अधिकार ऐन २०७४ कडाइकेसंग लागु करबएहेतु अपाङ्ता रहल ब्यक्तीसब मांग कएने अछि ।
प्रभावकारीरुपमें ऐन लागु नैकएलगेलाके कारण अपाङ्ता रहल ब्यक्तीसबहक जनजिबन कष्टकर भेल ओसब उलहन देने अछि । एकटा प्रतिनिधि मण्डल रबिदिन प्रदेश एकके आन्तरिक मामिला तथा कानुन मन्त्री केदार कार्र्कीके भेंट कक एहन उलहन देने अछि ।
बिराटनगरस्थित सामथ्र्य समाजके अगुवाइमें पहुँचल प्रतिनिधि मण्डल ऐन जारी भेलोपर कडाइ सँ लागू नै कएलगेलासँ अपाङता भेल ब्यक्तीसबके अनेक प्रकारके अबरोध झेलए परिरहल आ कष्टकर जीवन जिअएलेल बाध्यरहल शिकायत कएने छल ।
प्रतिनिधि मण्डल मन्त्री कार्कीके ओहि बिषयके ज्ञापनपत्र सेहो जमा करएने अछि । सामथ्र्य समाजके लोकमणी पोखरेल अपाङता भेल ब्यक्तीके स्वाब्लम्बी जीवनयापन हेतु घर परिवार आ राज्यके सेहो उचित बातावरण बनाएजेवाक मांग रखलनि ।
सामथ्र्य समाजक अध्यक्ष चेतनाथ पोखरेल अपाङता रहल ब्यक्तीसबे रोजगारीके सुनिश्चितता नैरहल,सार्बजनिक निकायके भौतिक संरचनासब अवरोध मुक्त नैरहल,आवश्यकता रहल ब्यक्तीसबके पर्याप्त साहायक सामग्री उपलब्ध नै कराओलगेल बतौलनि ।
अहिदिस प्रदेश सरकारके विशेष ध्यान देबएलेल ओ आग्रह कएने छलथि । प्रत्यूत्तरमें मन्त्री कार्कीले अपाङता रहल ब्यक्तीके समस्याप्रति प्रदेश सरकार गम्भीर रहल बतौलनि । प्रदेश सरकार अपन भवन नै बनासकलाके कारण पुरने भवनसबमें रहिक अपन कार्य संपादन करहल बतौनलनि ।
मन्त्री कार्की आब बनएबला सरकारी भवनसब अपाङता मैत्री बनाएलजाएत आश्वासन देनेछलथि । कार्यक्रममें सामथ्र्य समाजक श्रोत ब्यक्ती राजु भट्टराई सहित २ दर्जन अपाङता रहल ब्यक्तीसबहक सहभागिता छल ।
आन्तरिक मामिला तथा कानुन मन्त्रालयके भवन सेहो अपाङता मैत्री नैरहलाके कारण सहभागिसब मन्त्रीके कार्यकक्षधरि नै जासकलापर मन्त्री कार्कीके सामथ्र्य समाजके प्रतिनिधिसंग अन्तरक्रिया हेतु मन्त्रालय परिसरके प्राङणमें उतरिक आबए परल छल ।