विराटनगर । रोटरी क्लब अफ विराटनगर डाउन टाउन विपन्न समुदायके १५० विद्यार्थीके छत्ता वितरण कएने अछि ।

डाउन टाउन, विराटनगर–४ खार्जीस्थित ज्योति आधारभुत विद्यालयमें अध्यनरत डेढ सौ विद्यार्थीके छत्ता वितरण कएने अछि । विद्यालय परिसरमें बृहस्पतिदिन आयोजित कार्यक्रमकेबीच रोटरी क्लब अफ विराटनगर डाउन टाउनके अध्यक्ष रेखा राठी,एनआईसी एशिया बैंकके प्रदेश प्रमुख विकाश खरेल सहित क्लबके पदाधिकारीगण छात्रछात्राके छत्ता हस्तान्तरण कएलनि ।

ओहि विद्यालयमें विपन्न ऋषिदेव समुदायके बहुसंख्यक विद्यार्थीसब अध्यनरत रहल विद्यालयके प्रधानाध्यापक भिम पौडेल जानकारी देनेछथि । रोटरी क्लब अफ विराटनगर डाउन टाउन विराटनगर ४ के खार्जी टोलमें रहल ऋषिदेव बस्तीके वितल जुलाई १ सँ अभिभावकत्व ग्रहण कएने अछि ।

अभिभावकत्व ग्रहण कएलासँ आबबला एकबर्ष भितर बस्तीमें सर्वसाधारणके न्युनतम आवश्यकताके पुरा करैत नमुना बस्ती बनाबएलेल डाउन टाउन काज करत आयोजक संस्थाके अध्यक्ष रेखा राठी बतौनेछथि । ओहि कार्यक्रम अन्र्तगत बस्तीके विद्यार्थीके लक्षित कक छत्ता वितरण कएलगेल ओ जानकारी देलनि ।

छत्ता भेलापर विद्यार्थीके रौद आ बर्षातमें सेहो विद्यालय आबजाएमे सहज होएत ओ बतौलनि । ओहि बस्तीमें विपन्न ऋषिदेव समुदायके ४ सौ परिवारके बसोबास अछि । बस्तीमें शौचालय आ पिअबला पानिके अभावके साथे बालबालिकासबमें विद्यालय नैजाए लगायतक समस्या रहल डाउन टाउनके अध्यक्ष राठी बतौनेछथि ।

अपनेसब अभिभावकत्व ग्रहण कएला पश्चात बस्तीमें शौचालय निर्माण,पिअबला पानिके ब्यवस्थापन आ बृक्षारोपण लगायतक काज करहल ओ जानकारी देनेछथि । कार्यक्रममें आयोजक संस्थाके पदाधिकारीसब किरण कर्ण,अर्चना शर्मा,मधु काबरा,अर्चना तापडिया,सुनिता अग्रवाल,नमिता टिवडेवाला तथा पुजा तोदी लगायतक सहभागिता छल ।

सम्बन्धित खबरहरु