विराटनगर । त्रिभुवन विश्वविद्यालयके सबसँ पुरान आगिंक कैम्पस महेन्द्रमोरङ आदर्श बहुमुखी कैम्पस अपन स्थापना दिवसके अवसरमें पाँचगोटेके पुरस्कृत कएने अछि ।
कैम्पस अपन ६८ म स्थापना दिवसके अबसरपर तीनगोटे प्राध्यापक आ दूगोटे कर्मचारीके पुरस्कृत कएने अछि । प्राध्यापकदिस प्राडा देवेन्द्र अधिकारी,सह प्राध्यापक महेन्द्र नारायण कर्ण आ उप प्राध्यापक नन्दकिशोर अग्रवाल पुरस्कृत भेल छथि ।
तहिना कर्मचारीदिस निरञ्जन पोखरेल आ शान्तिदेवी कामतके सम्मान तथा पुरस्कार प्रदान कएलगेल अछि । कैम्पस परिसरमें साओन १६ गते आयोजित कार्यक्रमकबीच क्याम्पस प्रमुख डाक्टर बाबुराम तिम्सिना आ पुर्वाञ्चल बिश्वबिद्यालयके उपकुलपति प्राडा यादवराज कोइराला पुरस्कार तथा सम्मान हस्तान्तरण कएने छलथि ।
पुरस्कृत प्राध्यापक आ कर्मचारीके नगद,दोसल्ला,फुलमाला आ कदरपत्रसहित सम्मान कएने छलथि । उत्कृष्ठ प्राध्यापक आ कर्मचारी छनौट करएलेल कैम्पस प्राध्यापक अशोककुमार दासके संयोजकत्वमें तीन सदस्यीय समिती गठन कएने छल ।
ओहि अवसरमें बजनिहार त्रिवि प्राध्यापक संघ कैम्पस एकाईके सभापति डाक्टर प्रमोद खेरवार आ त्रिवि कर्मचारी संघके कार्यवाहक कैम्पस एकाई अध्यक्ष अनिल यादव लगायत कैम्पसमें नया भौतिक संरचनासब निर्माण करएके आवश्यकता रहल बतौनेछलथि ।
बिक्रम सम्वत २०१२ सालमें मोरङ इन्टरमिडिएट कलेजके रुपमें स्थापना भेल महेन्द्र मोरङमें व्यवस्थापन, मानविकी, शिक्षाशास्त्र आ विज्ञानक विभिन्न बिषयके अध्ययन अध्यापन होइत अछि । कैम्पसमें ९ हजारसँ बेसी विद्यार्थीसब अध्ययनरत रहल जनाओलगेल अछि ।
कैम्पसमें विभिन्न तहके २ सौ प्राध्यापक आ ५५ गोटे कर्मचारी कार्यरत रहल प्राध्यापनरत विजय खतिवडा जानकारी देनेछथि ।