बुढीगंगा । पवित्र साओन महिनाके अवसरमें मोरङके बुढीगंगा गाउँपालिकामें एकमहिनाके धार्मिक कार्यक्रम आयोजन कएलगेल अछि ।

बुढीगंगा–४ हात्तीमुडा,प्रगतिटोलस्थित उत्पतिका भजनकिर्तन सेवा मञ्च आ उत्पतिका शिव पाञ्चायन मन्दिर संयुक्तरुपमें एकमहिनाके धार्मिक कार्यक्रम आयोजन कएने अछि । कार्यक्रम अन्र्तगत दैनिक रुद्री,हवन,भजनकिर्तन तथा शिवपुराण वाचनके कार्यक्रम कएलजारहल अछि ।

तहिना प्रत्येक सोमदिन पालिकाके विभिन्न स्थानमें रहल शिवालयसबमें धार्मिक कार्यक्रम आयोजन कएलजारहल मन्दिर समितिके अध्यक्ष टंकबहादुर बिष्ट बतौनेछथि । साओन १ एम्हर एकमहिनाके धार्मिक कार्यक्रम अन्र्तगत हालतक लिचि बगानमें रहल शिवालय,उत्पतेश्वर शिव मन्दिर आ गोकुवाके शिवालयमें शिवपुराण वाचन सहितके कार्यक्रम आयोजन कएलजाचुकल बिष्ट जानकारी देनेछथि ।

धार्मिक कार्यक्रम अन्र्तगत ताण्डव स्त्रोत लागयतक धार्मिक संकीर्तण सेहो आयोजन कएलजाईत अछि । कार्यक्रममे पण्डित रमेश ढुंगाना शिवपुराण वाचन करहल छथि ।

धार्मिक मान्यता अनुसार साओन महिनामें देवी पार्वती ब्रत कक भगवान शिवके हासिल कएलनि विश्वास कएलजाइत अछि । साओन महिना भगवान शिवके प्रिय महिना रहल विश्वासमें हिन्दु धर्मावलम्बीसब अहि महिनाके बिशेष महत्व दैत छथि ।

सम्बन्धित खबरहरु