विराटनगर । विराटनगरस्थित राष्ट्रिय मानवअधिकार आयोग आ जिल्ला सरकारी वकीलके कार्यालय भवन अपाङतामैत्री नैरहल खुलासा भेल अछि ।
राष्ट्रिय अपाङ महासंघके प्रतिनधि टोलीद्वारा ओहि भवनसबके नापजाँच कएलापर दुनू कार्यालयके भवनसहित आन्न संरचनासब अपाङतामैत्री नैरहल भेटल अछि । राष्ट्रिय अपाङ महासंघ प्रदेश १ कार्यालय रविदिन राष्ट्रिय मानवअधिकार आयोग आ जिल्ला सरकारी वकील कार्यालय परिसरके स्थलगत निरीक्षण कएने छल ।
ओहि क्रममें दुनू कार्यालयमें अपाङता रहल ब्यक्तीसबहक अनुकुलके संरचना नैभेटल राष्ट्रिय अपाङ महासंघ प्रदेश एकके जनवकालत संयोजक सन्तोष पण्डित जानकारी देनेछथि । टोली राष्ट्रिय मानवअधिकार आयोगके विराटनगर ५ स्थित कार्यालय भवनके प्रवेशद्वारमें व्हीलचेयर प्रयोगकर्ताके अवरोधके अवस्था रहल,कार्यालय प्रमुखके कोठली उपरका मंजिलपर रहल आ ओहिठाम पहुँचएहेतु लिफ्ट वा -याम्प नैरहल बताओलगेल अछि ।
तहिना शौचालय प्रवेशद्वारमें अवरोधक रहल तथा सूचना सामाग्रिसब ब्रेललिपीमें नैराखलगेल भेटल अछि । ओहि बिषयमें प्रतिक्रिया दैत आयोगक प्रदेश प्रमुख नितु गडतौला आयोगके कार्यालय भाडाके भवनमें संचालनमें रहलासँ अपाङता मैत्री भसकल बतौनेछथि ।
अहिना महासंघके टोली जिल्ला सरकारी वकील कार्यालय भवनमें अपाङतामैेत्री शौचालय बनाएलगेलोपर ब्हीलचेयर प्रयोगकर्ताके अनुकुल नैरहल, पिअबला पानि राखलगेल ठामक उँचाई पहुँचमें नैरहल तथा सबहक सहजताहेतु सांकेतिक चिन्हसब नैराखल भेटल बताओलगेल अछि ।