विराटनगर । मौसम परिर्वतनके कारण कृषिक्षेत्रमें होमएबला क्षति न्युनिकरणहेतु प्रबिधिके आत्मसाथ कक आगु बढनाई आवश्यक रहल विराटनगरमें आयोजित एकटा कार्यक्रमक वक्तासब बतौने अछि ।
राष्ट्रिय कृषक समुह महासंघ नेपालद्वारा आयोजना कएलगेल कृषि मौसम सल्लाह सेवा मार्फत खाद्य सुरक्षा निर्माण कार्यक्रममें बजनिहार वक्तासब एहन बतौने अछि । समयपर पुर्वानुमान कसकलापर प्रतिकुल मौसमके कारण कृषिक्षेत्रमें होमएबला भारी क्षतिके रोकनाई सम्भव रहल कार्यक्रमक सहभागिसब बतौने छल ।
कन्काई नगरपालिकाके प्रमुख राजेन्द्रकुमार पोखरेल समयपर सटिक मौसम पुर्वानुमान कसकलापर क्षति न्युनिकरणके साथे उत्पादन बृद्धि होएत बतौलनि । राष्ट्रिय कृषक समुह महासंघ नेपालक प्रदेश सचिव नारद निरौला पालिकासबमें पुर्वानुमान सम्बन्धि मौसम मापन केन्द्र स्थापना कसकलापर स्थानिय कृषकसब लाभान्वित होएत बतौलनि ।
ओ हाल उदयुपरके वेलका नगरपालिकामें पाईलट प्रोजेक्टकेरुपमें मौसम पुर्वानुमान सम्बन्धि मापन केन्द्र संचालनमें रहल जानकारी सेहो देलनि । कार्यक्रममें वेलका नगरपालिके प्रमुख अशोक कार्की,मौसम विज्ञ नविन्द्र दाहाल आ महेन्द्रमोरङ कलेज विराटनगरक क्याम्पस प्रमुख बाबुराम तिम्सिना लगायतके वक्तासब कृषिक्षेत्रमें मौसमके असरके बिषयमें बजने छलथि ।