विराटनगर । विराटनगरक एकगोटे समाजसेवी तीनटोलियास्थित मानव सेवा आश्रमके खाद्यान्न सहयोग उपलब्ध करौनेछथि ।
समाजसेवी महेशकुमार साह अपन २५ म वैवाहिक बार्षिकोत्सवके अवसरमें आश्रमके खाद्यान्न उपलब्ध करौनेछथि । साह आश्रमके चाउर २ सय ५० किलो,दालि २५ किलो आ सोयाबिन १० किलो उपलब्ध करौनेछथि । तहिना मटर १० किलो,चना १० किलो,भुजा ४० किलो,तेल ५ लिटर आ २० पाकेट नुन सहितके सामाग्रि सेहो आश्रमके उपलब्ध कराएलगेल अछि ।
आश्रम परिसरमें बुधदिन आयोजित कार्यक्रमकबीच समाजसेवी साह आ हुनक धर्मपत्नी पिंकी स्वर्णकार मानव सेवा आश्रमके प्रदेश प्रमुख नवराज केसीके खाद्यान्न हस्तान्तरण कएलनि । साहद्वारा उपलब्ध कराएलगेल सामाग्रि ग्रहण करैत केसी सहयोगिसबहक सहयोगेसँ मानव सेवा आश्रम संचालित रहल बतौलनि ।
समाजसेवी साह मानव सेवामें समर्पित आश्रमके सेवा कार्यसँ स्वयं अति प्रभावित भेल बतौनेछलथि । आगामी दिनसबमें सेहो आश्रमकलेल सहयोगके निरन्तरता देव ओ प्रतिबद्धता ब्यक्त कएनेछलथि । नेपाल सोनार समाजक अध्यक्ष सेहो रहल साह अपन वैवाहिक बार्षिकोत्सवके अवसरपर आश्रमके ३० हजारसँ बेसीके खाद्यान्न सामाग्रि उपलब्ध करौनेछलथि ।
हाल ओहि आश्रममें ८० गोटे आश्रितके भरणपोषण भरहल मानव सेवा आश्रमक जिल्ला संयोजक पार्वती तिवारी जानकारी देनेछथि ।