विराटनगर । नेपाल होमियोपैथी चिकित्सक संघमें नयाँ कार्यसमिति चयन भेल अछि ।

विराटनगरमे भेल संघके छैठम अधिवेशनसँ होमियोपैथी चिकित्सक डाक्टर रविन्द्र रायके अध्यक्षतामें ११ सदस्यिय नया कार्यसमिति चयन भेल अछि । संघके उपाध्यक्षमें डाक्टर नवीन चपागाई,महासचिव डाक्टर रवि प्रकाश,साहायक महासचिव डाक्टर चंद्रा शर्मा दुलाल आ कोषाध्यक्षमें डाक्टर आशिष कुमार सर्वसम्मत भेलछथि ।

तहिना संघके सदस्यसबमें डाक्टर पंकज गोस्वामी,डाक्टर वरिन्दर कौर तथा केशवलाल सिंह सुवाल,भवानीप्रसाद पोखरेल,दिनेशप्रसाद आचार्य आ हेमन्त देव चयन भेलछथि । संघके साधारण सभाके प्रदेश एकके पुर्वमन्त्री एवम सांसद जिवन घिमिरे उद्घाटन कएनेछलथि ।

कार्यसमितिके कार्यकाल ४ बर्षक रहत बताओलगेल अ िछ । लगभग २५० चिकित्सक, साहायक चिकित्सक आ होमियोपैथी प्रेमी सब संघमें आबद्ध रहल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु