विराटनगर । विराटनगरमें राति १२ बजेके शुन्य समयमें रक्तदान कार्यक्रम आयोजन कएलगेल अछि । मध्यरातिके ओहि कार्यक्रमसँ ३० पिन्ट रक्त संकलन भेल अछि ।

लायन्स क्लब अफ विराटनगर ग्लोबल देवकोटाचोकस्थित रक्त संचार केन्द्रमें बितलराति शुन्य समयमें रक्तदान कार्यक्रम आयोजन कएने अछि । बृहस्पतिके राति ११ बजेसँ शुरु भेल कार्यक्रम शुक्रदिन रातिके पहिल पहर १२ बजे पश्चात समापन भेल छल । लायन्स क्लब ३ सौ २५ सि के सेकेण्ड भाईस डिस्ट्रिक गर्भनर विकास अधिकारीके प्रमुख आतिथ्यमें कार्यक्रम कएलगेल छल ।

लायन्स क्लबसबमें जुलाई १ तारिखसँ नवनिर्वाचित पदाधिकारीसबके कार्यकाल शुरु होएबाक परम्परा अछि । किछु पहिने भेल क्लबके आन्तरिक निर्वाचनसँ लायन्स क्लब अफ विराटनगर ग्लोबलके अध्यक्षमें विराटनगरके समाजसेवी राकेश साहके सभापतित्वमें ग्लोबलके नयाँ कार्यसमिति निर्वाचित भेल छल ।

कार्यक्रमकबीच नवनिर्वाचित सभापति साहके ग्लोबलके निर्वतमान सभापति मोहम्मद नसरुल पद तथा कार्यभार हस्तान्तरण कएलनि । ११ बजे राति पदभार हस्तान्तरण आ ग्रहण कार्यक्रम पश्चात रक्तदान कार्यक्रम शुरु भेल छल । कार्यक्रमसंगे आयोजक क्लबके नवनिर्वाचित सभापति राकेश साह अपन कार्यकालके पहिल समाज सेवाके काम शुन्य समयसँ शुरु कएनेछथि ।

ओहि अवसरमें बजैत लायन्स क्लब ३ सौ २५ सि के सेकेण्ड भाईस डिस्ट्रिक गर्भनर अधिकारी ग्लोबलद्वारा समाजसेवाके बार्षिक कार्यतालिका बनाक शुन्य समयसँ कार्यक्रम शुरु कएलगेल कहैत शुभकामना ब्यक्त कएने छलथि । आयोजक क्लबके अध्यक्ष साह स्वयं बाजएके बदला बर्षभरि सबहक सहयोगसँ समाजसेवाके उत्कृष्ट आ नमुनाकेरुपमें स्थापित होबएबला कार्यक्रमसब आयोजन करबाक प्रतिबद्धता ब्यक्त कएलनि ।

मध्यरातिके ओहि कार्यक्रमसँ ३० पिन्त रक्त संकलनभेल आयोजक क्लब जानकारी देने अछि । कार्यक्रममें आयोजक क्लबके पुर्व सभापतिसब अजय अधिकारी,डाक्टर वकार अहमद आ जोन चेयर पर्सन दिलसाद आलम लगायत शुभकामना मनब्य रखने छलथि ।

शुन्य समयमें कार्यक्रम कएलगेलासँ लायन्स क्यालेण्डर अनुसार इ कार्यक्रम लायन्स क्लबसबद्वारा कएलजाएबला कार्यक्रमसब मध्य अहि बर्षक पहिल कार्यक्रम रहल बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु