विराटनगर । १९ म राष्ट्रिय धान दिवसके अवसरपर प्रधानमन्त्री कृषि आधुनिकीकरण परियोजना,परियोजना कार्यान्वयन ईकाई मोरङ सुन्दर हरैचामें बिशेष कार्यक्रम आयोजन कएने अछि ।

परियोजना, सुन्दर हरैंचा नगरपालिकाके वडानम्बर ११ मृगौलियामें धान दिवस तथा रोपनी महोत्सव विशेष कार्यक्रम आयोजना कएने अछि । स्थानिय साना किसान कृषि सहकारी संस्था लिमिटेडसंगके सहकार्यमें कार्यक्रम आयोजन कएलगेल अछि ।

ओहि अवसरपर बजैत परियोजना कायान्वय ईकाई मोरङके प्रमुख रामबलम प्रसाद साह उत्पादन आ उत्पादकत्व बृद्धि केनाई एखुनका आवश्यकता रहल बतौनेछथि । ताहिलेल खेती किसानीमें उन्नत प्रबिधिके प्रयोग,यान्त्रिकरण आ बजारीकरणके ब्यवस्थित करवाक आवश्यकता रहल ओ बतौने छलथि ।

ओहि अवसरमें सहभागि किसान आ परियोजना आबद्ध कर्मचारीसब संयुक्त रुपमें धान रोपनी कएने छल । कार्यक्रममें परियोजना कार्यान्वयन ईकाई मोरङके अधिकृत प्रतिक्षा श्रेष्ठ आ साना किसान कृषि सहकारीके अध्यक्ष हरीबहादुर बस्नेत लगायतक सहभागिता रहल छल ।

मोरङमें ८४ हजार हेक्टर क्षेत्रफलमें धान खेती होइत आएल अछि । अखार १५ गते प्रत्येक बर्ष राष्ट्रिय धान दिवस आ रोपनी महोत्सव मनाओल जाईत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु