ग्रामथान । गैर नाफामुलक सामाजिक संस्था सामुदायिक समाज विकास (सिडिएस) विपन्न समुदायके लक्षितकक निशुल्क मासिक स्वास्थ्य क्लिनिक संचालन कएने अछि ।

मोरङके ग्रामथान गाउँपालिका वडानम्बर १ के खापटोलमें क्लिनिक संचालन कएलगेल अछि । विराटनगर–३ में केन्द्रीय कार्यालय रहल उक्त संस्था अपन स्थापनाके २४ म बर्ष पुराकक २५ म बर्ष प्रवेशके अवसरमें क्लिनिक संचालन कएने अछि ।

शनिवारदिनसँ संचालन कएलगेल क्लिनिकसँ ५१ महिलासहित ८१ गोटे सर्वसाधारण स्वास्थय लाभ लेने अछि । क्लिनिकमें आएल विमारसबके निशुल्क औषधि सेहो वितरण कएलगेल छल । विमारसबके जेनरल फिजिशियन डाक्टर अनुप यादव,पुर्व जनस्वास्थय अधिकृत विपुलेन्द्र झा आ ग्रामथान १ स्थित स्वास्थ्यचौकीके टंक ढकाल स्वास्थ्य सेवा प्रदान कएलनि ।

संस्थाके रजत जयन्तिके अवसरपर संचालन कएलगेल क्लिनिक नियमितरुपमें प्रत्येक महिनाके अन्तिम शनिदिन संचालन होएत सिडिएसके अध्यक्ष गंगाप्रसाद यादव जानकारी देनेछथि । विपन्न समुदायके लक्षितकक संचालन कएलगेल क्लिनिकमें महिनाके एकदिन नियमितरुपमें विज्ञ चिकित्सक मार्फत स्वास्थ्य सेवा उपलब्ध कराओलजाएत ओ जानकारी देनेछथि ।

संस्थाके रजत जयन्तिके अवसरपर खापटोलस्थित संस्थाके स्वामित्वमें रहल जमिन परिसरमें बृक्षारोपण सेहो कएलगेल अछि । बृक्षारोपणमें ग्रामथान गाउँपालिका १ के वडाध्यक्ष सुरेशकुमार माझी,समाजसेवीसब घनश्याम काबरा,रामअवतार अग्रवाल आ सल्लाहकार जुगलकिशोर राठी लगायत सिडिएसके सदस्य आ पदाधिकारी सहभागि भेल छल । ओहि अवसरमें सिडिएसद्वारा असार १० गते विराटनगरमें आयोजन कएलगेल रक्तदान कार्यक्रमसँ २७ पिन्ट रक्त संकलन भेल छल ।

रजत बर्षके अवसरपर संस्थाद्वारा स्मारिका प्रकाशन करएके,संस्थाके सामाजिक विकासक क्रियाकलापके निरन्तरता देबएहेतु अक्षय कोष स्थापना करएके,विकास पत्रकारितामें क्रियाशिल दूगोटे सञ्चारकर्मीके सम्मान करएके,कृषि विकासमें संस्थागत योगदान देनिहार आ सामाजिक सेवामें समर्पित ब्यक्तीसबके सम्मान करए लगायतक निर्णय कएलगेल संस्थाके सचिव विपुलेन्द्र झा जानकारी देनेछथि ।

२०५५ सालमें स्थापना भेल सिडिएस कृषि,स्वास्थ्य,गरिबि निवारण आ विभेद अन्त लगायतक क्षेत्रमें काज करैत आएल अछि । अहि संस्थामें ७० प्रतिशत महिला आ ३० प्रतिशत पुरुष सबहक आबद्धता रहल बताओलगेल अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु