विराटनगर । विराटनगरके तिनपैनीमें परम्परागत संसारीमाई पुजा सम्पन भेल अछि ।

महानगरपालिकाके वडानम्बर २ तिनपैनीमें रहल संसारीमाई थान परिसरमें परम्परागत विधिविधि विधान आ मान्यता अनुसार पुजा सम्पन भेल अछि । पुजाके अवसरमें धार्मिक अनुष्ठानके साथे संसारीमाताके बली प्रदान करैत पुजा सम्पन भेल अछि ।

तिनपैनीके पुर्वटोलमें रहल पवित्र साहुरके गाछतर संसारी माईके पुजा होइत आएल अछि । तत्कालिन समयमें गामटोलके रुपमें रहल अहिक्षेत्रके बासिन्दाके रोगब्याधि नैलागए तथा अन्न फसलके नीक उब्जा होएवाक उद्धेश्यसहित तत्कालिन जिम्दार कालीप्रसाद ढकाल साहुरके अहि गाछतर पुजाके प्रचलन शुरु कएने छलथि ।

संसारीमाईके पुजा पुरोहित एवम धामीद्वारा बैदिक तथा धनन्तरी दू विधिसँ पुजाके चलन रहल स्थानीय युवा अभियन्ता मनोज विक्रम शाह बतौनेछथि । ७० बर्षसँ पहिनेसँ अहिठामक सर्वसाधारण नियमित पुजापाठ करैत अएलामें पछिला किछुबर्ष एम्हर अहिठाम ब्यवस्थित थानके निर्माण कएलगेल अछि ।

अखार महिनाके शनिदिन अहिठाम प्रत्येकबर्ष बार्षिक पुजा कएलजाईत अछि । पुर्णरुपमें स्थानियके जनसहयोगसँ पुजापाठ कएलजाईत अछि ।

पुजाकेदिन संसारीमाईके बोका,हाँस,परवा आ मुर्गाके बली प्रदानकक बिशेष पुजा आराधना कएलजाईत अछि ।

सम्बन्धित खबरहरु