विराटनगर । विराटनगरके वडानम्बर १२ बखरीमें श्री नवदुर्गा मन्दिर निर्माण भरहल अछि ।

बखरीस्थित मंगलबारेमें निर्माण होबलागल मन्दिरके बृहस्पतिदिन एकटा कार्यक्रमबीच शिलान्यास कएलगेल अछि । विराटनगर महानगरपालिकाके मेयर नागेश कोईराला ओहि मन्दिरके शिलान्यास कएलनि । ओहिठाम २ कट्ठा साढे ७ धुर जमिमें मन्दिर निर्माण होबलागल अछि ।

मन्दिर निर्माणहेतु स्थानीय मिरा अर्याल १४.३ धुर आ प्रहलादप्रसाद अर्याल १३.२ धुर जमिन दान कएनेछथि । मन्दिर निर्माणकलेल स्थानीय जवाहरलाल कामतके अध्यक्षतामें एकटा समिति सेहो गठन कएलगेल अछि । स्थानियवासी ओहि जमिनमें प्रत्येक दशमीमें ५ दशक पहिनहिसँ देवी दुर्गाके माटिक मुर्ती निर्माणक ९ दिनधरि नवरात्रीके पुजापाठ करैत आएल छल ।

एम्हर आबिक जमिन मालिकद्वारा जमिन दान देलापर मन्दिर निर्माणक निर्माणक कार्य शुरु कएलगेल विराटनगर १२ के वडाध्यक्ष हिरालाल कामत जानकारी देनेछथि । हाल मन्दिर समितिके अपने श्रोतसँ जमाभेल ५ लाख रकमसँ मन्दिर निर्माण कार्यशुरु कएलगेल ओ बतौनेछथि ।

बादमें महानगरपालिका,वडा कार्यालय तथा जनश्रमदानसँ मन्दिर निर्माण सम्पन करएके लक्ष्य राखलगेल अछि । ४० फिट उँच तथा ३८ बाई ३२ फिट लम्बाई चौडाईके मन्दिर निर्माणमें लगभग एक करोड रुपैया खर्च लागके अनुमान कएलगेल अछि ।

मन्दिर शिलान्यास कार्यक्रममें विराटनगर १२ के वडासदस्य कुशेश्वर राजवंशी,समाजसेवी प्रवीणनारायण चौधरी सहित धर्मानुरागिसबहक सहभागिता छल ।

सम्बन्धित खबरहरु